अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट परिषद (आइसिसी) क्रिकेटक अन्तर्राष्ट्रिय परिचालक निकाय छी। ई इङ्गल्याण्ड, अस्ट्रेलिया आ दक्षिण अफ्रिकाक प्रतिनिधिसभद्वारा सन् १९०९ मे शाही क्रिकेट सम्मेलनक रूपमे स्थापित केनए छल। सन् १९६५ मे अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट सम्मेलन नाम राखलक जे सन् १९८९ धरि कायम रहल। ई परिषदमे वर्तमान अस्ट्रेलिया, इङ्ग्ल्याण्ड, भारत, न्युजिल्याण्ड, पाकिस्तान, दक्षिण अफ्रिका, वेस्टइन्डिज, जिम्बाब्वे, श्रीलङ्का आ बङ्गलादेश स्थायी सदस्य रहल अछि।[४][५] एकर २३ टा सहसदस्य आ १३ टा मातहती संस्थासभ अछि। ई अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटक कार्यकारी निकाय छी।