लक्ष्मी पुरी

लक्ष्मी पुरी (भारतमे सन् १९५२ मे जन्मल), संयुक्त राष्ट्र क लैङगिक समानता आ महिलासभक सशक्तीकरणक लेल संयुक्त राष्ट्रमे अन्तर-सरकारी समर्थन आ रणनीतिक साझेदारीक लेल सहायक महासचिव छी। हुनका ११ मार्च सं २०११ क संयुक्त राष्ट्र महासचिव बान कि-मुन द्वारा एहि पद पर नियुक्त कएल गेल छल।[१] पुरी संयुक्त राष्ट्रक महिला उप कार्यकारी निर्देशक छी। संयुक्त राष्ट्र महिलाक स्थापनाक समय सन् २०११ मे नेतृत्व टिममे सम्मलित होएक बाद, ओ ई नयाँ आ गतिशील इकाईक निर्माणक लेल रणनीतिक योगदान देने अछि। ओ ब्यूरो अफ इन्टरगवर्नमेन्टल सपोर्ट, यूएन सिस्टम कोअर्डिनेशन आ स्ट्राटेजिक पार्टनरशिपक नेतृत्व आ प्रबन्धनक लेल सिधा तौर पर जिम्मेदार अछि, आ मार्च सँ अगस्त २०१३ धरि संयुक्त राष्ट्रक महिलाक कार्यवाहक प्रमुख छल।[२]

लक्ष्मी पुरी
Lakshmi Puri
संयुक्त राष्ट्रक सहायक महासचिव आसंयुक्त राष्ट्र महिलाक उप कार्यकारी निर्देशक
शिक्षादिल्ली विश्वविद्यालय सँ कलामे स्नातक
जीवनसाथी(सभ)हरदीप सिंह पुरी


कैरियर

पुरीक आर्थिक आ विकास नीति-निर्माणक साथ-साथे राजनीतिक, शान्ति आ सुरक्षा, मानवीय आ मानवाधिकासभ सँ सम्बन्धित कूटनीतिमे ३७ सँ अधिक वर्षक अनुभव अछि। एहिमे सँ बीस सँ अधिक वर्ष संयुक्त राष्ट्र प्रणालीक सम्बन्धमे कार्यरत रहल अछि। ओ अपन पुरा कैरियरमे लैङगिक समानता आ महिला सशक्तिकरण एजेन्डाक सेहो बढ़ावा देनए अछि। संयुक्त राष्ट्र महिलाक सब विषयगत आ कार्यात्मक क्षेत्रसभमे हुनका लग बहुत अनुभव आ पेशेवर पृष्ठभूमि अछि। ओ आर्थिक विकास आ लैङगिक समानताक बीच सकारात्मक सम्बन्धसभक विश्लेषण आ वकालत करैक लेल अग्रणी प्रयाससभमे सक्रिय रूप सँ सम्मलित रहल अछि। ओ व्यापार निवेश, प्रवासन आ श्रम गतिशीलता, वित्तीय प्रवाह, पर्यावरण आ जलवायु परिवर्तन, ऊर्जा, कृषि आ खाद्य सुरक्षा, आ अन्य मुद्दाक साथ आवश्यक सेवासब धरि पहुचएमे एक लिङ्ग परिप्रेक्ष्यक सम्मलित करै पर काम केनए अछि। पुरीक थिन्क ट्याङक , शैक्षणिक संस्थानसब आ विकास ब्याङकसबक संदर्भमे नीति-सम्बन्धी अनुसन्धानमे योगदान देनए अछि।

शिक्षा

पुरी इतिहास, सार्वजनिक नीति आ प्रशासन, अन्तराष्ट्रिय सम्बन्धसब आ कानून आ आर्थिक विकासमे अध्ययन केनए अछि। ओ बी.ए. दिल्ली विश्वविद्यालय सँ प्रथम श्रेणीमे आ पंजाब विश्वविद्यालय सँ स्नातकोत्तर उपाधि, साथे व्यावसायिक डिप्लोमा प्राप्त केनए अछि।

संयुक्त राष्ट्रमे सेवा

पुरी यूएनसीटीएडीक सबसँ बडका डिवीजनक निर्देशकक रूपमे संयुक्त राष्ट्रमे सम्मलित भेल आ अपन सब आयामसबमे आ विशेष रूप सँ सहस्त्राब्दी विकास लक्ष्यसबक उपलब्धिक लेल व्यापार कार्य करैमे सङगठनक कार्यक नेतृत्व केलक।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ