बरिसाल

बरिशाल (बङ्गाली: বরিশাল) बङ्गलादेशक एक मुख्य शहर छी जे कीर्तनखोला नदिक किनारमे अवस्थित अछि । ई शहर बङ्गलादेशक दक्षिण-मध्य क्षेत्रमे अवस्थित अछि । ई बरिसाल जिला आ बरिसाल विभागक प्रशासनिक मुख्यालय आ सभ सँ पैग शहर छी । ई बङ्गलादेशक सभ सँ पुरान नगरपालिका आ नदी बन्दरगाहक रुपमे रहल अछि । बरिशाल नगरपालिका सन् १९७६ मे ब्रिटिश राजक समयमा स्थापना भेल छल आ २५ जुलाई २००२ मे नगरपालिका निगममे स्थानोन्न्ति कएल गेल छल । सन् २०११ कऽ राष्ट्रिय जनगणना अनुसार ई शहरक जनसङ्ख्या ३२८,२७८ रहल अछि आ ई शहरमे ३० टा वार्डसभ आ ५० टा महलसभ अछि । ई शहरक कुल क्षेत्रफल ५८ वर्ग किलोमिटर रहल अछि ।

बरिशाल
বরিশাল
—  शहर  —
बरिशालक सम्पदासभ
उपनाम: पुरबक भेनिस
बरिसाल बंगलादेशपर अवस्थित
बरिशाल
बरिशाल
निर्देशांक : २२°४८′०″उ॰ ९०°३०′०″पू॰ / २२.८००००°N ९०.५००००°E / 22.80000; 90.50000
विभागबरिशाल विभाग
जिलाबरिशाल
नगरपालिकाक स्थापना१८७६; १४८ वर्ष पहिने (१८७६)
शहर निगम२००२; २२ वर्ष पहिने (२००२)
शहर१९ अप्रैल २००१[१]
शासन
 • प्रणालीमेयर परिसद
 • सभाबरिशाल परिसर निगम
 • मेयर
क्षेत्र[२]
 • नगरीय58 किमी2 (22 वर्गमाइल)
ऊँचाई1 मिटर (4 फिट)
जनसंख्या (२०११)[३]
 • शहर३,२८,२७८
 • महानगर३,८५,०९३
समय मण्डल बङ्गलादेशी समय (यूटीसी +६)
डाक कोड८२००
टोलिफोन कोड०४३१
जालस्थलअाधिकारिक वेबसाइट

जनसाङ्ख्यिकी

सन् २०११ कें राष्ट्रिय जनगणनाक अनन्त परिणामक अनुसार बरिसालक जनसङ्ख्या (बरिसाल नगर निगमक अधिकार क्षेत्र अन्तर्गत) ३२८,२७८ रहल अछि जहिमे सँ परुषक जनसङ्ख्या ५१.६३ आ महिलाक जनसङ्ख्या ४८.३७% रहल अछि ।

बरिसालको शहरीया लोकसभक साक्षरता दर ७५.३% अछि जे राष्ट्रिय औसत ५६.५% सँ अधिक छी । बरिसालमे लगभग सम्पूर्ण लोक बङ्गाली छी ।

भूगोल

बरिसाल शहरक कुल क्षेत्रफल ५८ वर्ग किलोमिटर रहल अछि । बरिसाल जिल्लाकें केन्द्रक रुपमे रहल ई शहरकें मदारीपुर, लक्ष्मीपुर, चाँदपुर, शरियतपुर जिलाद्वारा उत्तर तर्फ सँ घेरल अछि तँ पटुवाखाली, बर्जुना आ झालोकोटी जिला एकरा दक्षिण दिशा दिस सँ घेरने अछि । खोरदबाद, एरियल खान, कमलीजरा आ कीर्तनखोला ई शहरक मुख्य नदीसभ छी ।

अर्थतन्त्र

बरिसाल बङ्गलादेशक सभ सँ बेसी धान उत्पादन केनिहार शहर छी । ई शहरमे बलाम (एक प्रकारक बासमती धान) एक लोकप्रिय धान छी । ई शहर पानक लेल सेहो प्रख्यात अछि । शहरकें नदीसभद्वारा घेरल भेलाक कारण एतय माछ सेहो पर्याप्त मात्रमे भेटैत अछि । नारियल ई शहरक एक मुख्य फलफुल छी । ई शहर सँ अखन हल्सा माछ, सिमेन्ट, धान, औषधिसभ अायात होएत आएल अछि ।

खेलकुद

ई शहरमे क्रिकेटफुटबल अत्याधिक रुचाएल खेल छी तहिना कबड्डी आ टेनिस सेहो लोकप्रिय रहल अछि । बरिसाल विभागीय रङ्गशाला ई शहरक अन्तर्राष्ट्रिय रङ्गशाला छी जहिमे विविध प्रकारक खेलसभ खेलल जाएत अछि । ई रङ्गशालाक कुल दर्शक क्षमता १५,००० रहल अछि ।

सन्दर्भ सामग्री

बाह्य जडीसभ