दुरेफिशाँ सलीम


दुरेफिशाँ सलीम (जन्म: सन् १९९६ जनवरी १४) एक गोटे पाकिस्तानी अभिनेत्री छी[२]जे उर्दू टेलिभिजनमे अभिनय करैत अछि। ओ 'हम टिभी' केर टेलिभिजन धारावाहिक 'दिल रूबा' (सन् २०२०) मे सहायक भूमिकाक सङ्ग अभिनयक आरम्भ केनए छल, जकर लेल हिनका 'लक्स स्टाइल अवार्ड्स'मे सर्वश्रेष्ठ नव प्रतिभाक नामाङ्कन प्राप्त भेल छल।[३] हिनकर अन्य उल्लेखनीय कार्यसभमे 'भड़ास' (सन् २०२०-२१) आ 'परदेश' (सन् २०२१) सम्मिलित अछि।[४][५] सलीमके 'एआरवाई डिजिटल' केर 'कैसी तेरी खुदगर्जी' (सन् २०२२)मे 'महक शमशेर'क भूमिका निर्वाह कएलाक बाद हुनका लोकप्रियता मिलल छल।[६]

दुरेफिशाँ सलीम
Durefishan Saleem
जन्म (१९९६-०१-१४) १४ जनवरी १९९६ (उमर २८)
लाहोर, पञ्जाब, पाकिस्तान
शिक्षाएलएलबी, युनिभर्सिटी कौलेज लण्डन[१]
व्यवसाय
  • मोडेल
  • अभिनेत्री
सक्रिय वर्ष२०२०–present

प्रारम्भिक जीवन आ शिक्षा

हिनकर जन्म लाहौरमे सलीम-उल-हसनक घरमे भेल छल, जे सन् २००० कऽ दशकमे पिटिभी केर लेल निर्देशक आ निर्माताक रूपमे काज केनए अछि।[७]

ओ अप्पन प्रारम्भिक शिक्षा लाहौरसँ प्राप्त केलक आ सन् २०२० मे युनिभर्सिटी कौलेज लन्डनसँ एलएलबी केर डिग्री प्राप्त केलक।

सन् २०१९ मे ओ अभिनय क्षेत्रमे अप्पन करियर बनेवाक लेल कराँची आबि गेल।[८]

करियर

सलीम अपन अभिनयक शुरुवात मोमिना दुरैदक सन् २०२० धारावाहिक 'दिल रुबा'में सहायक भूमिकाक साथ केनए छल। एकर बाद ओ ओमर शहजाद आ फुरकान कुरैशीक सङ्ग भारसमे महिला नायकक रूपमे अभिनय केलक, मुदा एहिसँ हिनक करियर आगा नहि बढि सकल। एकर बाद सलीम, मरीना खानद्वारा निर्देशित चलचित्र परदेशमे ऐमेमक भूमिका निर्वाह आ मोमिना दुरैदक चलचित्र 'जुदा हुए कुछ इस तरह'मे एकटा सिएसएस अधिकारी केर भूमिका निर्वाह करैत नजर आएल।[९][१०]

हिनक प्रसिद्धिक दावा नाटकीय शृङ्खला 'कैसी तेरी खुदगर्जी' कऽ साथ आएल, जतय ओ दानिश तैमूरक सङ्गहि अहमद भट्टीक निर्देशनमे महेक शमशेर केर रूपमे अभिनय केलक,[११] जे अपन चलि रहल समयमें यूट्यूब पर टप रेटेड आ देखल जाएबला टेलिभिजन धारावाहिकसभमें सँ एकटा बनि गेल, मुद्दा हिनक प्रदर्शनकें "पूर्ण रुपसँ नीरस" कहल गेल। "ई छोडि कहानी कहबाक आलोचना आलोचकसभ आ दर्शकसभ दुनु केलक। अक्टूबर २०२३ में दुरेफिशाँकें नवीनतम नाटक इश्क मुर्शिद छी जे हम टिभी पर प्रसारित भ रहल अछि।

फिल्मोग्राफी

टेलिभिजन

वर्षशीर्षकभूमिकाटिप्पणीसन्दर्भ सामग्री
२०२०दिल रुबाएरम
भड़ासजोया
२०२१परदेशऐमेन
जुदा हुए कुछ इस तरहमाहा
२०२२कैसी तेरी खुदगर्जीमहक अक्रम शम्शेर[१२]
२०२३जुर्मआइला नदीममिनी-सिरिज[१३]
जैसी आपकी मर्जीअलिजे[१४]
इश्क मुर्शिदशिबरा[१५]
खाई[१६]

विशेष उपस्थिति

वर्षशीर्षकभूमिकाटिप्पणीसन्दर्भ सामग्री
२०२१जितो पाकिस्तान लिग २स्वयम्एपिसोड ११[१७]
२०२३सीयासाराएपिसोड: "मास्क मन"

टेलिफिल्म्स

वर्षशीर्षकभूमिकाटिप्पणीसन्दर्भ सामग्री
२०२१ह्याङ्गोर सिजन-१३१समीरा[१८]

पुरस्कार एवम् नामांकन

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी