रणथम्भोर किला

रणथम्भोर किला दिल्ली-मुम्बई रेल मार्गक सवाई माधोपुर रेल्वे स्टेशन सँ १३ किमी दूर रन आ थम्भ नामक पहाडीसभके बीच समुद्रतल सँ ४८१ मीटर उचाई पर १२ किमीक परिधि मे बनल अछि । किलाक तीनो ओर पहाडसभमे प्राकृतिक खाई बनल अछि जे ई किलाक सुरक्षाके मजबूत बनाए अजेय बनाबैत अछि ।

युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र
राजस्थानक पहाडी किलासभ
विश्व सम्पदा सूचीमे उल्लेख कएल अनुसारक नाम
रणथम्भोर किला

प्रकारसांस्कृतिक
मापदण्डii, iii
सन्दर्भ२४७
युनेस्को क्षेत्रदक्षिण एसिया
सूचीकृत इतिहास
सूचीकृत२०१३ (३६अम शत्र)
रणथम्भोर किला राजस्थानपर अवस्थित
रणथम्भोर किला
रणथम्भोर किलाक नक्सा राजस्थानमे ।

परिचय

किला सँ सम्बन्धित प्रमुख ऐतिहासिक स्थानसभमे नौलखा दरवाजा, हाथीपोल, गणेशपोल, सुरजपोल आ त्रिपोलिया प्रमुख प्रवेश द्वार अछि । त्रिपोलिया अन्धेरी दरवाजा सेहो कहलावैत अछि । एकर बगल सँ एक सुरङ्ग महल तक गेल अछि । किला तक पहुँचैक लेल बहुतेक उतार-चढाव, संकरा व फिसलन भेल रास्ता तय करैक संग नौलखा, हाथीपोल, गणेशपोल आ त्रिपोलिया द्वार पार करै पडैत अछि । ई किलामे हम्मीर महल, सुपारी महल, हम्मीर कचहरी, बादल महल, जबरा-भंवरा, ३२ खम्बासभक छतरी, रनिहाड ताल, महादेवक छतरी, गणेश मन्दिर, चामुण्डा मन्दिर, ब्रह्मा मन्दिर, शिव मन्दिर, जैन मन्दिर, पीर सहरुद्दीनक दरगाह, सामन्तोक हवेलीसभ तत्कालीन स्थापत्य कलाक अनुठा प्रतीक छी ।[१] राणा साङ्गाक रानी कर्मवतीद्वारा शुरू कएल गेल अधूरी छतरी सेहो दर्शनीय अछि । किलाक मुख्य आकर्षण हम्मीर महल अछि जे देशक सब सँ प्राचीन राजप्रसादसभमे सँ एक छी स्थापत्यक नाम पर ई किला सेहो भग्न-समृधिक भग्न-स्थली छी ।[२]

विश्व धरोहर रणथम्भोर किला

कम्बोडियाक राजधानी नोमपेन्ह सहरमे युनेस्कोक विरासत सम्बन्धी विश्वव्यापी समितिक ३६अम बैठकमे दिनाङ्क २१ जुन २०१३ शुक्रवारके भारतक पहाडी किला रणथम्भोर किलाक चयन कएल गेल, ई किलाक घटनाक्रम विश्वमे सिधा प्रसारणक रुपमे देखल आ सराहल गेल । रणथम्भोर किलाक छोडि राजस्थानमे जन्तर मन्तर वेधशाला, आमेर किला, गागरोन किला, कुम्भलगढ किला, जैसलमेर किला आ चितौडगढ किला सेहो विश्व धरोहर स्थलमे शामिल अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ

रणथम्भोर किला विकिभोएज सँ यात्रा सहयोगी

एहो सभ देखी

७६°२७′१५″पू॰ / २६.०२०५६°N ७६.४५४१७°E / 26.02056; 76.45417