अली खामेनी

आयतोल्लाह सय्यद अली हुसैन खामेनी(फारसी: آیت‌الله سید علی حسینی خامنه‌ای; फारसी उच्चारण: /ɒːjætollɒːh sejjed ʔæˈliː hosejˈniː xɒːmeneˈʔiː/) (जन्म १७ जुलई १९३९, मशहद, ईरान) ओ ईरानक सर्वोच्च नेता छी। सन् १९८१ सँ १९८९ धरि ओ ईरानक राष्ट्रपति छल।

अली खामेनी

प्रारम्भिक जीवन आ शिक्षा

किशोर अवस्थामे खामेनी

वरिष्ठ नेता आयतोल्लाह सय्यद अली हुसैन खामेनीक जन्म सन् १९३९ मे ईरानक पवित्र नगर मशहदक एक धार्मिक परिवारमे भेल छल । हुनकर बाबुजी हाज सैयद जवाद खामेनेइ मशहदक वरिष्ठ धर्म गुरु सभ मे सँ एक छल मुद्दा हुनकर माता एक प्रसिद्ध धर्म गुरु हुज्जतुलइस्लाम सैयद हाशिम नजफाबादी के सुपुत्री छल ।










साहित्यिक छात्रवृत्ति

खामेनी अपन मातृ भाषा फारसी आ अजरबैजान छोडि के अरबी भाषामे सेहो वरिष्ठ छल ।[१] ओ बहुतरास पुस्तकसभ अरबी भाषासँ फारसीमे अनुवाद केनेए अछि जाहिमे मिश्रक प्रख्यात विचारक सय्यिद क्युटबक कार्यसभ सेहो पनि पडैत् अछि । ओ अजरबैजानी बाजैत अछि जे हुनकर बाबुजी के मातृ भाषा छी ।[२][३]




राजनीतिक जीवन आ राष्ट्रपतिक पद

अली खामेनी इरानमे इरानी क्रान्ति मे एक प्रमुख पात्र छी आ रुहोल्लाह खामेनेइ के नजदिक के विश्वासिलो पात्र सेहो छल | सन् १९७९ मे तेहरानमे कएल गेल शुक्रवार प्रार्थना इमाम के पोस्ट करबाक लेल खामेनी नियुक्त कएलाक पश्चात उक्त पोस्ट सँ हुसैन-अलि मोन्टजेरी राजीनामा देबाक लेल बाध्य भऽ गेल।

खामेनेइ तेहरानमे कएल गेल शुक्रवार प्रार्थना इमाम १९७९ मे

सन् १९८१ मे, मोहम्मद-अली रजाई के हत्या पश्चात खामेनेइ इरानक राष्ट्रपति चयनित भेल, ओ ९७% हासिल केलक तँ चारिटा उम्मेदवार अभिभावकसभक परिषद द्वारा अनुमोदित छल । जुन अक्टोबर १९८१ मे निर्वाचन भेल छल । खामेनेइ कार्यालय सेवा करए वाला पादरी भेल । रूहोल्लाह खोमेनि एकरा मूल राष्ट्रपति पदसँ बाहर रख चाहै छल मुद्दा बादमे हुनकर विचार परिवर्तन भेल । अली खामेनेइ अपन

राष्ट्रपति पद भार ग्रहण समारोहमे वाचा केने छल जे "विचलन, औदार्य आ अमेरिकी-प्रभावित दक्षिणपन्थी" हटाएब कहि के ।[४]




सर्वोच्च नेता

अली खामेनी, रुहोल्लाह खोमेइनी मृत्यु पश्चात इरानी क्रान्ति के नेता होए मे सफल आ ४ जुन, १९८९ मे विशेषज्ञ के विधानसभा द्वारा नयाँ सर्वोच्च नेताक रूपमे निर्वाचित भेल। सुरुमे तीन सदस्य अली मेश्किनी, मौसावी अर्देबिली आ खामेनेइ एक परिषद, नेतृत्व के लेल प्रस्तावित छल। विधानसभा एक नेतृत्व परिषद के विचार अस्वीकार केला के पश्चात (खामेनेइ आ राफसन्जनी दुनु गोटे एक परिषद समर्थन छल) आ महान आयातोल्लाह मोहम्मद-रेजा गोङ्ल्पायगानीके ७४ सदस्य उपस्थित छल आ ६० सदस्यसभ खामेनेइ निर्वाचित नेता छल तँ बाहर १४ भोट मात्रै खसल छल।[५]



सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ

अफिसियल वेबसाइट