प्रोटोन
प्रोटोन (नेपाली: प्रोटोन) एक धनात्मक विद्युत आवेशयुक्त मूलभूत कण छी, जे परमाणुक न्युक्लियसमेन्युट्रोनक साथ बसैत अछि। एकरा p प्रतिक चिन्ह द्वारा दर्शाओल जाइत अछि। एहिमे १.६०२E−१९ कोलम्बक धनावेश होएत अछि। एकर द्रव्यमान १.६७२६E−२७ कि.ग्रा. होएत जे इलेक्ट्रोनक द्रव्यमानके लगभग १८३७ गुणा होएत अछि। प्रोटोन तीन प्राथमिक कण दुई अप-क्वार्क आ एक डाउन-क्वार्क मिलि बनल होएत अछि। स्वतन्त्र रूपमे ई हाइड्रोजन आयोन H+क रूपमे पावैत अछि।
एकर नाम ग्रीक शब्दावलीसँ लेल गेल अछि जेकर अर्थ पहिल होएत अछि।
विवरण
प्रोटोन फर्मिअन होएत अछि , जेकर स्पिन १/२ होएत अछि, ई तीन क्वार्कसभ मिलि बनल होएत अछि, अर्थात ई बेरियोन (हेड्रनक एक प्रकार )क रूपमे अछि। ई सभके दुई अप-क्वार्क एवं एक डाउन-क्वार्क आपसमे सशक्त बल ( strong force )सँ जोडल गेल होएत जे ग्लुअन द्वारा लागू होएत अछि। प्रोटोन आ न्युट्रोनक जोडा न्युक्लिअन कहैत अछि जे किपरमाणु न्युक्लियसमे नाभकीय बल ( nuclear force )सँ आपसमे बाँधल होएत अछि। हायड्रोजन ही एक मात्र एहन तत्त्व छी जेकर परमाणु न्युक्लियसमे प्रोटोन मात्र पावैत अछि, अन्य सभ परमाणुक न्युक्लियसमे प्रोटोन न्युट्रोनक दुनु पावैत अछि। हाइड्रोजन परमाणुक न्युक्लियसमे केवल एकटा प्रोटोन होएत अछि आ एहीमे न्युट्रोन नै पावैत अछि मुद्दा एकर दुई भारी समस्थानिक ड्युटेरियममे एक प्रोटोन आ एकटा न्युट्रोन एवं ट्रिटियममे एकटा प्रोटोन आ दुईटा न्युट्रोन होएत अछि।
स्थायित्व
प्रोटोन, इलेक्ट्रोन ( ऋणात्मक बिटा रेडियसन )क अवशोषण करबाक लेल न्युट्रोनमे बदलैत अछि।
p+ + e- → no + ve
जाही ठाम p प्रोटोन, e इलेक्ट्रोन, n न्युट्रोन, आ ve इलेक्ट्रोन न्यूट्रीनो अछि।
ई विपरित न्युट्रोन इलेक्ट्रोन (ऋणात्मक बीटा क्षय)के उत्सर्जन करबाक लेल प्रोटोनमे बदलैत अछि।
no → p+ + e- + ve-
प्रोटोनक अर्ध-आयु बहुत समयधरि रहैत अछि (आजुक ब्रह्माण्डक आयुसँ सेहो अधिक)
इतिहास
प्रोटोनक नामकरण ग्रीक शब्द प्रोटोस protos सँ भेल अछि जेकर अर्थ "प्रथम्" होएत अछि। सन् १९२० मे रदरफोर्ड एकर खोजी केने छल।