भारतक राष्ट्रपतिसभक सूची

भारतक राष्ट्रपति देशक मुखिया आ भारतक प्रथम नागरिक होइत अछि । भारतक राष्ट्रपति भारतीय सशस्त्र सेनाक प्रमुख होइत अछि ।[१] भारतक राष्ट्रपति लोक सभा, राज्यसभाविधानसभाक निर्वाचित सदस्यसभद्वारा चुनल जाइत अछि । भारतक राष्ट्रपतिक कार्यकाल ५ वर्षक होइत अछि ।

राष्ट्रपति भवनक मुख्य द्वार, जे भारतक राष्ट्रपतिक अधिकारिक आवास छी

भारतक स्वतन्त्रतासँ अखनधरि १४ राष्ट्रपति भऽ चुकल अछि । भारतक राष्ट्रपति पदक स्थापना भारतीय संविधानद्वारा कएल गेल अछि । १४ राष्ट्रपतिसभ वाहेक ३ कार्यवाहक राष्ट्रपति भेल अछि जकरा पदस्थ राष्ट्रपतिक मृत्युक बाद बनायल गेल छल । भारतक प्रथम राष्ट्रपति राजेन्द्र प्रसाद छल ।

राष्ट्रपति

भारतक राष्ट्रपतिसभक सूचि निम्न प्रकार अछि[२] -

ई पृष्ठभूमिक अन्तर्गत लिखल गेल नाम कार्यवाहक राष्ट्रपतिसभक छी ।

#नामचित्रपदग्रहणपदमुक्तउपराष्ट्रपतिटिप्पणी
डा. राजेन्द्र प्रसाद
(१८८४-१९६३)
२६ जनवरी १९५०१३ मई १९६२डा. सर्वपल्ली राधाकृष्णन१९५२ निर्वाचन
पहिल भारतीय राष्ट्रपति[३][४]
डा. सर्वपल्ली राधाकृष्णन
(१८८८ –१९७५)
१३ मई १९६२१३ मई १९६७जाकिर हुसैन१९६२ निर्वाचन
राधाकृष्णन मुख्यतः दर्शनशास्त्री आ लेखक छल ।[५]
जाकिर हुसैन
(१८९७ –१९६९)
१३ मई १९६७३ मई १९६९वराहगिरी वेङ्कट गिरी१९६७ निर्वाचन
जाकिर हुसैन अलीगढ़ मुस्लिम विश्वविद्यालयक कुलपति आ पद्म विभूषणभारत रत्न प्राप्तकर्ता छल ।[६]
वराहगिरी वेङ्कट गिरी
(१८९४–१९८०)
३ मई १९६९२० जुलाई १९६९वराहगिरी वेङ्कट गिरी पदस्थ राष्ट्रपति जाकिर हुसैनक मृत्यु पश्चात कार्यवाहक राष्ट्रपति बनल ।
मुहम्मद हिदायतुल्लाह
(१९०५–१९९२)
२० जुलाई १९६९२४ अगस्त १९६९हिदायतुल्लाह भारतक सर्वोच्च न्यायलयक मुख्य न्यायाधीश आ अर्डर अफ ब्रिटिश इन्डियाक प्राप्तकर्ता छल ।[७]
वराहगिरी वेङ्कट गिरी
(१८९४–१९८०)
२४ अगस्त १९६९२४ अगस्त १९७४गोपाल स्वरुप पाठक१९६९ निर्वाचन
गिरी एकमात्र व्यक्ति छल जे कार्यवाहक राष्ट्रपति आ राष्ट्रपति दुनू बनल । ओ भारत रत्नसँ सम्मानित अछि ।[८]
फखरुद्दीन अली अहमद
(१९०५–१९७७)
२४ अगस्त १९७४११ फरवरी १९७७बासप्पा दनप्पा जत्ती१९७४ निर्वाचन
फखरुद्दीन अली अहमद राष्ट्रपति नियुक्त होमएसँ पहिने पूर्व मन्त्री छल ।[९][१०]
बासप्पा दनप्पा जत्ती
(१९१२–२००२)
११ फरवरी १९७७२५ जुलाई १९७७बी.डी. जत्ती, फखरुद्दीन अली अहमदक मृत्यु पश्चात भारतक कार्यवाहक राष्ट्रपति बनल ।[९][११]
नीलम संजीव रेड्डी
(१९१३–१९९६)
२५ जुलाई १९७७२५ जुलाई १९८२मुहम्मद हिदायतुल्लाह१९७७ निर्वाचन
नीलम संजीव रेड्डी आन्ध्र प्रदेशक प्रथम मुख्यमन्त्री छल ।[१२]
ज्ञानी जैल सिंह
(1916–1994)
२५ जुलाई १९८२२५ जुलाई १९८७रामास्वामी वेङ्कटरमण१९८२ निर्वाचन
जैल सिंह मार्च १९७२ मे पञ्जाब राज्यक मुख्यमन्त्री बनल आ सन् १९८० मे गृहमन्त्री बनल ।[१३]
रामास्वामी वेङ्कटरमण
(१९१०–२००९)
२५ जुलाई १९८७२५ जुलाई १९९२शंकरदयाल शर्मा १९८७ निर्वाचन
वेङ्कटरमण भारतीय स्वतन्त्रता सङ्ग्राम आन्दोलनमे जेल गेल छल ।[१४]
शंकरदयाल शर्मा
(१९१८–१९९९)
२५ जुलाई १९९२२५ जुलाई १९९७केआर नारायणन१९९२ निर्वाचन
शर्मा मध्य प्रदेशक मुख्यमन्त्री आ भारतक सञ्चार मन्त्री रहि चुकल छल ।[१५]
१०केआर नारायणन
(१९२०–२००५)
२५ जुलाई १९९७२५ जुलाई २००२कृष्ण कान्त१९९७ निर्वाचन
नारायणन चीन,टर्की,थाइल्याण्डसंयुक्त राज्य अमेरिकामे भारतक राजदूत रहि चुकल छल ।[१६]
११ऐपिजे अब्दुल कलाम
(१९३१-२०१५)
२५ जुलाई २००२२५ जुलाई २००७भैरोंसिंह शेखावत२००२ निर्वाचन
कलाम मुख्यतः वैज्ञानिक छल जे मिसाइल आ परमाणु हथियार बनेबामे मुख्य योगदान देनए छल ।[१७]
१२प्रतिभा पाटिल
(जन्म १९३४)
२५ जुलाई २००७२५ जुलाई २०१२मोहम्मद हामिद अंसारी२००७ निर्वाचन
प्रतिभा पाटिल भारतक प्रथम महिला राष्ट्रपति बनल ।[१८][१९]
१३प्रणब मुखर्जी
(जन्म १९३५)
२५ जुलाई २०१२२४ जुलाई २०१७मोहम्मद हामिद अंसारी२०१२ निर्वाचन
प्रणब मुखर्जी भारत सरकारमे वित्त मन्त्री, विदेश मन्त्री, रक्षा मन्त्री आ योजना आयोगक उपाध्यक्ष रहि चुकल अछि ।
१४राम नाथ कोविन्द
(जन्म १९४५) 
२५ जुलाई २०१७२५ जुलाई २०२२मोहम्मद हामिद अंसारीराज्यसभा सदस्य तथा बिहारराज्यक राज्यपाल रहि चुकल अछि ।
१५द्रौपदी मुर्मू
(जन्म १९५८) 
२५ जुलाई २०२२पदस्थजगदीप धनखड़झारखण्डराज्यक  राज्यपाल रहि चुकल अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

एहो सभ देखी