भारत
भारत, दक्षिण एशियामे अवस्थित भारतीय उपमहाद्वीपक सभसँ पैघ देश थीक । पूर्ण रूप सँ उत्तरी गोलार्ध मे स्थित भारत, भौगोलिक दृष्टि सँ विश्वमे सातम सभ सँ पैघ आ जनसङ्ख्याक दृष्टिकोण सँ दोसर सभ सँ पैघ देश थीक । भारतक पश्चिम मे पाकिस्तान, उत्तर-पूर्व मे चीन, नेपाल आ॔ भुटान, पूर्व मे बंगलादेश आ म्यानमार स्थित अछि । हिन्द महासागरमे एकर दक्षिण पश्चिम मे माल्दिभ्स, छुबैत अछि । पूर्व मे बङ्गालक खाड़ी अछि तथा पश्चिम मे अरब सागर अछि ।
गणतन्त्र भारत भारत गणराज्य | |
---|---|
भारतक अधिकार मे रहल क्षेत्र, गाढ़ हरियर दावा कएल गेल मुदा अधिकार मे नहि रहल क्षेत्र, हल्का हरियर । | |
राजधानी | नई दिल्ली |
सबैभन्दा ठुलो सहर | मुम्बई |
आधिकारिक भाषासभ | हिन्दी तथा अंग्रेजी |
मान्यता प्राप्त आञ्चलिक भाषासभ | आठम अनुसूची |
संघक राजभाषासभ | हिन्दी तथा अंग्रेजी(सह-राजभाषा) |
मूलवासी(सभ) | भारतीय |
सरकार | संसदीय संघीय संवैधानिक गणराज्य |
द्रौपदी मुर्मू | |
• उपराष्ट्रपति | जगदीप धनखड़ |
नरेन्द्र मोदी (भाजपा) | |
• सभाक वाचक | ओम बिड़ला (भाजपा) |
• भारतक मुख्य न्यायाधीश | धनञ्जय यशवंत चन्द्रचूड़[२] |
व्यवस्थापिका | भारतीय संसद |
• उपरका सदन | राज्य सभा |
• निचला सदन | लोक सभा |
स्वतन्त्रता | |
• भेटल तिथि | सन् १९४७ १५ अगस्त |
• गणतन्त्र | सन् १९५० २६ जनवरी |
क्षेत्रफल | |
• कुल | ३२,८७,२६३ किमी२ (१२,६९,२१९ वर्ग माइल) (सातम) |
• पानी (%) | ९.५६ |
जनसङ्ख्या | |
• सन् २०११ जनगणना | १२१०१९३४२२ (दोसर) |
• घनत्व | ३२,८७,२६३ /किमी2 (८५,१३,९७२.१ /वर्ग माइल) (३१म) |
मुद्रा | भारतीय रुपया (आइएनआर) |
समय क्षेत्र | अन्तर्राष्ट्रिय प्रमाणिक समय+०५:३० (भारतीय मानक समय) |
सडक प्रयोग | बामा |
टेलिफोन कोड | ९१ |
प्राचीन सिन्धु घाटी सभ्यता, व्यापारिक मार्ग आ वृहत साम्राज्य सभक विकास-स्थल रहल भारतीय उपमहाद्वीप एकर सांस्कृतिक ओ आर्थिक सफलताक पुरान इतिहासक लेल जानल जाइत रहल अछि । चारि प्रमुख सम्प्रदाय: हिन्दू, बौद्ध, जैन आ सिख धार्मिक पंथसभक एहि ठाम उदय भेल, पारसी, यहुदी, इसाई आ मुस्लिम धर्म प्रथम सहस्राब्दी मे एतय पहुंचल आ॔ एतय विविध संस्कृति कें नव रूप देलक । क्रमिक विजयसभक परिणामस्वरूप ब्रिटिश ईस्ट इन्डिया कम्पनी १८हम आ १९अम शताब्दी मे भारतक अधिकऻश हिस्सासभ कें अपन राज्य मे मिलाए लेलक । सन् १८५७ केर विफल विद्रोहक बाद भारतक प्रशासनिक भार ब्रिटिश सरकारिहासिक अपन ऊपर लऽ लेलक । ब्रिटिश भारतक रूप मे ब्रिटिश साम्राज्यक प्रमुख अङ्ग भारत, महात्मा गान्धीक नेतृत्व मे एक दीर्घकालीन आ॔ मुख्य रूप सँ अहिंसक स्वतन्त्रता सङ्ग्रामक बाद १५ अगस्त १९४७कें आजादी पओलक । सन् १९५० मे लागू भेल नव संविधानमे एकरा सर्वमान्य वयस्क मताधिकारक आधार पर स्थापित संवैधानिक लोकतान्त्रिक गणतन्त्र घोषित कऽ देल गेल आ॔ युनाइटेड किङ्गडमक वेस्टमिन्सटर शैलीक अऩुकरण कऽ संसदीय सरकार स्थापित कएल गेल । एक सङ्घीय राष्ट्र, भारत कें २९ राज्य आ ७ सङ्घ-शासित प्रदेशसभमे गठित कएल गेल अछि ।
नामोत्पति
"भारत" शब्दक उत्पत्ति महाभारतक उपरान्त क्रमानुक्रम सं दुष्यन्तपुत्र सर्वदमन, जे बाद मे राजा "भरत"क नाम विख्यात बनि संपूर्ण उपमहाद्वीप पर राज केलनि, केरि नाम सं भेल होयबाक ऐतिहासिक ओ साहित्यिक प्रमाण मान्य होइछ।
इतिहास
करीब ५५,००० वर्ष पुर्व पहिनुक आधुनिक मानव - होमो सेपियन्स - पहिनहि क्रमिक-विकासक महाद्वीप अफ्रीका सं भारतीय उपमहाद्वीप मे आओल छल । दक्षिण एशिया केरि सभ सँ पहिनुक ग्यात मानवीय अवशेष करीब ३०,००० वर्ष पुर्वक रहल निर्धारित होइत अछि ।
अर्थतन्त्र
सन्दर्भ सामग्रीसभ
बाह्य जडीसभ
विकिमिडिया कमन्समे भारतसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |