सप्तरी जिला
सप्तरी जिला नेपालकऽ पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रके, सगरमाथा अञ्चलमें अवस्थित अछि ।
सप्तरी जिला नेपालक पुर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक सगरमाथा अञ्चलमे अवस्थित अछि । ई जिलाक पूरवमे सुनसरी, पश्चिममे सिराहा उत्तरमे उदयपुर जिला तथा दक्षिणमे भारतक बिहार प्रदेश परैत अछि।
सप्तरी | |
---|---|
देश | नेपाल |
प्रदेश | पुर्वाञ्चल |
अञ्चल | सगरमाथा |
भौगोलिक अवस्थिति | तराई |
गाउँपालिका सङ्ख्या | ११४ |
नगरपालिका सङ्ख्या | १ |
सदरमुकाम | राजविराज |
क्षेत्रफल | |
• कुल | १३६३ किमी२ (५२६ वर्गमाइल) |
जनसङ्ख्या (२०११[१]) | |
• कुल | ६,३९,२८४ [१] |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय) |
क्षेत्रीय सङ्केत | ०३१ |
मुख्य भाषासभ | मैथिली,नेपाली |
वेबसाइट | http://www.ddcsaptari.gov.np/ |
इतिहास
सप्तरी ऐतिहासिक जिला अछि। सप्तसँ सात तरीसँ वन श्रृंखला भेलाक कारण सप्तरी नाम कहाएल अथवा सप्तकोशी नदी रहलाक कारणे अइ जिलाक नाम सप्तरी पड़ल। सप्तरी जिलाक प्रथम सदरमुकाम हनुमाननगर छल। हाल राजविराज स्थानान्तरण कएल गेल अछि। सन् १४०८ मे लिखित लिखनावलीमे सप्तरी जनपद उल्लेख अछि, जे विद्यापतिद्वारा लिखित अछि।
भौगोलिक अवस्था
- अक्षांशः-२६.२५"उत्तर सऽ २६.४७" उत्तरमें
- देशान्तरः-८६.२८" पूरव सऽ ८७.७" पूरवतलिक।
- सिमाना:-पूर्व-सुनसरी जिला तथा भारतक विहार राज्य, पश्चिम-सिरहा जिला, उत्तर-उदयपुर जिला आर दक्षिण-भारतक विहार राज्य।
- क्षेत्रफल:-१,३६३ वर्ग किलोमिटर
- औषत लम्वाई:- ४३ किलोमिटर (पूरवमें कोशी नदी सऽ पश्चिममें बलान खोला तलिक)।
- औषत चौडाई:- ३२ किलोमिटर (उत्तरमें चुरे पर्वतके पानीढलो सऽ दक्षिणमें भारतकऽ विहार राज्यके सुपौल तथा मधुबनी जिला तलिक)।
जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत सप्तरी जिला कऽ नक्सा
निर्वाचन आयोग (नेपाल) द्वारा निर्धारण कएल गेल, जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत सप्तरी जिला कऽ नक्सा नीचा देल गेल अछि।[२]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
एहो सभ देखी
बाह्य जडीसभ
🔥 Top keywords: सम्मुख पन्नाराम नवमीघोड़ावृन्दावन चन्द्रोदय मन्दिरजन गण मनअहनुमान चालीसासाल (वृक्ष)द्वितीय विश्वयुद्धसुहाना खानमैथिली भाषाजूही बब्बरझप्रिया प्रकाश वरियरविकिपिडियाविकिपिडिया:आइ-काल्हिक घटनासभतअब्दुल कलामअमिताभ बच्चनविकिपिडिया:परिचयमुलेठीलिजा स्पार्क्सणगढवाल (वंश)यरामकरन वाहीअरविन्द केजरीवालपारुल यादवचमेलीदुरेफिशाँ सलीमफाइल:विश्व हिन्दू परिषदक लोगो.pngफिल्मफेयर उत्कृष्ट नव महिला कलाकारक लेल पुरस्कारकश्मीरी भाषाविजयादशमीदशावतारगौतम अदानीबाल गंगाधर तिलककाजल अग्रवाल