इशा अम्बानी


ईशा मुकेश अम्बानी (जन्म-२३ अक्टुबर,१९९१) एक भारतीय महिला व्यावसायी छी।[३] ओ रिलायन्स इन्डस्ट्रिज लिमिटेड (आरआइएल) कऽ अध्यक्ष आ प्रबन्ध निर्देशक मुकेश अम्बानीरिलायन्स फाउन्डेसनक संस्थापक नीता अम्बानी कऽ बेटी छी। येल विश्वविद्यालय सँ मनोविज्ञान आ दक्षिण एसियाली अध्ययनमे स्नातक भेलाक बाद, अक्टुबर २०१४ मे हुनका जिओ आ रिलायन्स रिटेलक निर्देशक मण्डलमे सम्म्लित कएल गेल छल।[४] सन् २००८ मे अम्बानीकें ४७१ करोड़ कूल सम्पति भेलाक कारण फोर्ब्सक सबसँ युवा अरबपति राजकुमारीक सूचीमे स्थान देल गेल छल । सन् २०१५ मे एसियाक १२ शक्तिशाली आगामी कारोबारी महिलासभक बीच सूचीकृत कएल गेल छल।

इशा मुकेश अम्बानी
Isha Mukesh Ambani
जन्म
इशा मुकेश अम्बानी

(१९९१-१०-२३) २३ अक्टुबर १९९१ (उमर ३२)
राष्ट्रियताभारतीय
मातृसंस्थायेल विश्वविद्यालय
स्ट्यानफोर्ड स्नातक विद्यालय[१]
व्यवसायरिलायन्स जियो इन्फोकम आ रिलायन्स रिटेलक निर्देशक
जमा सम्पति$७०० मिलियन डलर (४७१० करोड़ रुपए)
अभिभावक(सभ)मुकेश अम्बानी
नीता अम्बानी[२]
परिवारआकाश अम्बानी (जवाँ भाए)
अनन्त अम्बानी (भाए)[२]
अनिल अम्बानी (काका)
धीरूभाई अम्बानी (दादा )

करियर

२०१४ मे, येल विश्वविद्यालय सँ मनोविज्ञान आ दक्षिण एसियाली अध्ययनमे स्नातकक डिग्री प्राप्त करलाक बाद, अम्बानी प्रबन्धन परामर्शदाता फर्म, म्याकिन्से एन्ड कम्पनीक सङ्ग एक व्यापार विश्लेषकक रूपमे काज करैत छल। एकर तुरन्त बादमे हुनका रिलायनस जियो आ रिलायनस रिटेलक बोर्डमे शामिल कएल गेल छल। दिसम्बर २०१५, मे ओ अपन भाएसभ सँ मिल राजदूत शाहरुख खानक उपस्थितिमे जियो ४जी सेवासभक कर्मचारी विमोचन कार्यक्रमक नेतृत्व करलक। [५]अप्रिल २०१६ मे, अम्बानी ल्याक्मे फ्यासन वीकके २०१६ संस्करणमे एक अनलाइन फ्यासन रिटेलर, एजेआइओ ककऽ शुभारम्भ करलक। ओ एजीआइओके ब्रान्डिङ आ प्रबन्धन खन्डक देखरेख करैत अछि, जे रिलायन्स रिटेलक सहायक कम्पनी छी।[६]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी