उपेन्द्र यादव

नेपाली राजनीतिज्ञ


उपेन्द्र यादव नेपालक राजनीतिज्ञ, भूतपूर्व परराष्ट्र मन्त्री आ सङ्घीय समाजवादी फोरमक संयोजक छी । यादव नेपालक एक सर्वपरिचित नेता छी ।

उपेन्द्र यादव
Upendra Yadav
परराष्ट्र मन्त्री[१]
कार्यकाल
२८ अगस्त २००८ – ४ मई २०११
पूर्वाधिकारीसाहना प्रधान
उतराधिकारीसुजाता कोइराला
सङ्घीय समाजवादी फोरमक अध्यक्ष
कार्यकाल
जुन १५, २०१५
व्यैक्तिक विवरण
जन्म
उपेन्द्र यादव

(१९६०-१२-११) दिसम्बर ११, १९६० (उमर ६३)[२]
भगवतपुर, सप्तरी[३] आब सुनसरी, नेपाल
राजनैतिक दलसङ्घीय समाजवादी फोरम
जीवनसाथीपार्वती देवी यादव

जीवनी

उपेन्द्र यादवक जन्म वि.सं.२०१६ सालमे सप्तरी जिलाक भगवतपुरमे भेल अछि । उपेन्द्रक पिताक नाम धनीलाल यादव आ माताक नाम फुलनीदेवी यादव छी ओ परिवारक सभसँ छोट पुत्र छी । यादवक भैया डम्बर यादव एक मध्यमवर्गीय किसान छी । यादवक बाल्यकाल सप्तरी जिलाक मधुवनमे बितल । अखन ई ठाम सुनसरी जिलामे अबैत अछि । मधुवनक मोहन निम्न माध्यमिक विद्यालयमे ओ प्रारम्भिक शिक्षा प्राप्त केनए छल । ओकर बाद जनता माध्यमिक विद्यालय, मधुवन आ वनदहवाकट्टी हाइ स्कूल सप्तरीमे माध्यमिक शिक्षा प्राप्त केलक । वि.सं. २०३२ सालमे एसएलसी उत्तीर्ण केलाक बाद यादव धरान उपमहानगरपालिकाक हात्तीसार क्याम्पसमे प्रवेश लेलक । ओ क्याम्पससँ विज्ञान विषयमे प्रवीणता प्रमाण पत्र तह उतिर्ण केलाक बाद ओ महेन्द्र मोरङ क्याम्पस, विराटनगरसँ स्नातक आ स्नातकोत्तर केनए अछि ।

राजनीतिक जीवन

उपेन्द्र यादवक राजनीतिक जीवनक आरम्भ वि. सं. २०३२ सालदिस भेल । झापा आन्दोलन अपन चरम उत्कर्ष पर छल आ ओ समय यादव, पुष्पलाल समूहक अनेरास्ववियुमा संलग्न भ गेल । उपेन्द्र यादव वि.सं. २०३५ सालमे नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एकीकृत) तखन (नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी)क संस्थापक पुष्पलाल श्रेष्ठसँ कम्युनिस्ट पार्टीक चौवन्नी सदस्यता लेनए छल । ओकर बाद ओ विद्यार्थी राजनीतिमे सक्रिय होइत गेल । तखन अखिल प्रतिबन्धित पार्टी छल । यादव भूमिगत रूपमे काज आरम्भ केलक ।

बाह्य जडीसभ

Upendra Yadavक सम्बन्धमे विकिपिडियाक भातृ योजनासभमे ताकी:

परिभाषा विकिस्नरीसँ
पाठ्यपुस्तक विकिपुस्तकसँ
उद्घरण विकिउद्रघरणसँ
स्रोत पदसभ विकिस्रोतसँ
चित्र आ मिडीया कमन्ससँ
समाचार विकिसमाचारसँ
सिखैवाला स्रोतसभ विकिभर्सिटीसँ

सन्दर्भ सामग्रीसभ