अकबर

जलाल उद्दीन मोहम्मद अकबर (उर्दू: جلال الدین محمد اکبر‎‎) (१५ अक्टुबर, १५४२-२७ अक्टुबर, १६०५)[७] तैमूरी वंशावलीक मुगल वंशक तेसर शासक छल।[८] अकबरकेँ अकबर-ऐ-आजम (अर्थात अकबर महान), शहंशाह अकबर, महाबली शहंशाहक नामसँ सेहो जानल जाएत अछि।[९][१०][११] सम्राट अकबर मुगल साम्राज्यक संस्थापक जहीरुद्दीन मुहम्मद बाबर कऽ पौत्र आओर नासिरुद्दीन हुमायूं आ हमीदा बानोक पुत्र छल। बाबर कऽ वंश तैमूर आ मङ्गोल नेता जंगेज खांसँ सम्बन्धित छल अर्थात ओ वंशज तैमूर वंशावलीक खानदान सँ छल आर मातृपक्षक सम्बन्ध जंगेज खाँ सँ छल ।[७] अकबर के शासनक अन्त तक १६०५ धरि मुगल साम्राज्य में उत्तरी आर मध्य भारतक अधिकाश भाग सामिल छल आर वो समय के सर्वाधिक शक्तिशाली साम्राज्य में से एक छल ।[१२] बादशाह सभ में अकबर मात्र एगो एहन बादशाह छल, जे हिन्दू मुस्लिम दुनु वर्ग के बराबर स्नेह आर सम्मान देलक । वो हिन्दू-मुस्लिम सम्प्रदायसभ के विच दुरी कम करै के लेल दीन-ए-इलाही नामक धर्मकऽ स्थापना केने छल ।[७] अकबर कऽ दरबार सभ के लेल हर समय खुजल रहेत छल । वोकर दरबार में मुस्लिम सरदारसभ के अपेक्षा हिन्दू सरदार बेसी छल । अहि कारण अकबर हिन्दू आर मुस्लिम दुनु वोकर प्रशंसक बनल छल ।[१३]अकबर मात्र तेरह वर्ष कऽ आयु में अपन पिता नसीरुद्दीन मुहम्मद हुमायुं के मृत्यु उपरांत दिल्ली कऽ राजगद्दी पर बैठल छल ।[१४]

अकबर
अकबर
तेसर मुगल सम्राट
शासनकाल२७ जनवरी १५५६ - २५ अक्टुबर १६०५
(४९ वर्ष, २७५ दिन)[१][२]
राज्याभिषेक१४ फरबरी १५५६[१]
पूर्वाधिकारीहुमायूँ
उत्तराधिकारीजहाँगिर
Regentबैराम खान (१५५६-१५६१)
जन्म(१५४२-१०-१४)१४ अक्टुबर १५४२[३]
उमेरकोट, सिन्ध
मृत्यु२७ अक्टुबर १६०५(१६०५-१०-२७) (६३ वर्ष)
फत्तेहपुर सिक्री, आगरा
Burial
सिकन्द्रा, आगरा
जीवनसाथीसभरुकैया सुल्तान बेगम
सलिमा सुल्तान बेगम
मरियम-उज-जमानी
सन्तानजहाँगिर
मुराद
दनियाल
आ ६ बेटासभ
नाम
अबउलफत जलाल उद्दिन मोहम्मद अकबर (प्रथम)[४]
घरानातैमुर
वंशमुगल
पिताहुमायूँ
माताहमिदा बानु बेगम[५]
धर्मइस्लाम[६]

एहो सभ देखु

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जड़ीसभ