ग्रेट ब्यारियर रिफ

ग्रेट ब्यारियर रिफ, क्विन्सल्यान्ड (अस्ट्रेलिया)क उत्तरी-पूर्वी तटक समान्तर बनल, विश्वक सबसँ पैग मुँगाक चट्टान छी ।[१][२] ई दीवारक लम्बाई लगभग १,२०० माइल तथा चौडाई १० माइल सँ ९० माइल धरि अछि । ई बहुतेक स्थानसभ पर खण्डित अछि तथा एकर अधिकांश भाग जलमग्न अछि, मुदा कतौ कतौ जलक बाहर सेहो स्पष्ट दृष्यावलोकन होएत अछि । महीद्वीपीय तट सँ एकर दूरी १० सँ १५० माइल धरि अछि । महाद्वीपीय तट तथा अवशेषी शैल भित्तिक बीचक क्षेत्र (८०,००० वर्ग माइल) पर्यटकसभक लेल अत्यन्त आकर्षक स्थल छी । जलवायु परिवर्तनक खराब असरसँ ग्रेट ब्यारियर रिफक बचैक सम्भावना बहुत कम छी अ ऐहन आशङ्का अछि कि सन् २०५० धरि रिफ पूर्ण रुप सँ नष्ट भ जाएत ।[३]

युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र
द ग्रेट ब्यारियर रिफ
विश्व सम्पदा सूचीमे उल्लेख कएल अनुसारक नाम
क्विन्सल्यान्ड राज्यमे रहल ब्यारियर रिफ
क्विन्सल्यान्ड राज्यमे रहल ब्यारियर रिफ
प्रकारतटस्थ
मापदण्डvii, viii, ix, x
सन्दर्भ१५४
युनेस्को क्षेत्रएसिया-प्रशान्त
सूचीकृत इतिहास
सूचीकृत१९८१ (५अम शत्र)

पर्यटन

ग्रेट ब्यरियर रिफक एक भागक उपग्रहसँ लेल गेल चित्र

सन्दर्भ सूची

बाह्य जडीसभ

विकिमिडिया कमन्समे ग्रेट ब्यारियर रिफसँ सम्बन्धित मिडिया अछि ।