विकिपिडिया

एकटा बहुभाषिक वेबमे आधारित स्वतन्त्र आ खुला ज्ञानकोश


विकिपिडिया (/ˌwɪkɪˈpdiə/) एकटा बहुभाषिक वेबमे आधारित स्वतन्त्र आ खुला ज्ञानकोश थिक । विकिपिडिया शब्द विकी आ इन्साइक्लोपिडियाकें मिलाय बनाएल गेल अछि । एकर बहुत रास लेखसभ इन्टरनेटमे पहुँच भेल जे केओ परिवर्तन आ सम्पादन करि सकैत अछि । विकिपिडिया शब्द विकी (बहुत रास लोकसभक सहकार्यमे वेवसाइट तयार कएल गेल प्रविधि) आ इन्साइक्लोपिडिया जुड़ि कऽ बनल अछि । विकिपिडियामे स्वयंसेवकसभद्वारा लेख लिखल जाइत अछि । विकिपिडियाक मुख्य सर्भर संयुक्त राज्य अमेरिकाक फ्लोरिडा राज्यमे अवस्थित अछि । अन्य सर्भरसभ एम्स्टर्‍ड्याम आ सोलमे अछि । विकिमिडिया फाउन्डेसन नामक एकटा गैर-नाफामुखी संस्थाद्वारा सञ्चालित विकिपिडियाक लगभग सब पृष्ठसभक विकिपिडियामे पहुँच भेल केओ व्यक्ति एकरा परिमार्जन करि सकैत अछि । सन् २००१ मे जिमी वेल्सल्यारी स्याङ्गर एकर शुरुवात केनए छलाह । हाल ई इन्टरनेटमे सभ सँ पैघ आ प्रख्यात सन्दर्भ-सामग्री बनबाक शीर्ष स्थानमे पहुँचि गेल अछि ।[३][४][५][६] वर्तमान समयमे विकिपिडिया विश्वमे सभ सँ बेसी ब्राउज कएल जाएवला ५म् इन्टरनेट साइट बनि गेल अछि ।[७][८]

विकिपिडिया
A white sphere made of large jigsaw pieces. Letters from several alphabets are shown on the pieces
Wikipedia wordmark
विकिपिडियाक लोगो
साइटक प्रकार
इन्टरनेट इन्साइक्लपीडिया
उपलब्धता३०३ भाषा
स्वामीविकिमिडिया फाउन्डेसन
द्वारा निर्माणजिमी वेल्स, ल्यारी स्याङ्गर[१]
अलेक्सा क्रमSteady (विश्वव्यापी, दिसम्बर २०१८)
दर्ताअतिरिक्त, मुदा खाता बनेला सँ अर्ध-सुरक्षित कएल गेल पन्नासभक सम्पादन करवाक सेवा अधिकृत
प्रयोक्तासभ>२,९२,३२४ सक्रिय प्रयोगकर्तासभ[notes १]>११,३४,५९,२९२ कुल खाता
अनावरणजनवरी १५, २००१ (2001-01-15) (२३ वर्ष पहिने)
वर्तमान स्थितिसक्रिय
सामग्री अधिकार
सिसी ऐट्रिब्युशन ब्युशन/सेयर-अलाइक ३.०
अधिकतम पाठ जिएफडिएल अन्तर्गत अछि त तस्वीरक अधिकार आवश्यकता अनुरूप अछि
लेखनएलएएमपी प्ल्याटफर्म[२]

इतिहास

जिमी वेल्स आ ल्यारी स्याङ्गर

नुपिडिया

पदार्पण आ प्रारम्भिक वृद्धि

टिप्पणीसभ

सन्दर्भ सामग्री

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी