चन्द्रिका कुमारातुंगा


चन्द्रिका कुमारातुंगा (सिन्हाला: චන්ද්‍රිකා බණ්ඩාරනායක කුමාරතුංග,तमिल: சந்திரிகா பண்டாரநாயக்க குமாரதுங்க; जन्म २९ जुन १९४५) एक श्रीलङ्काली राजनीतिज्ञ छथि जे १२ नवम्बर १९९४ सँ १९ नवम्बर २००५ धरि श्रीलङ्काक पाँचम राष्ट्रपतिक रुपमे सेवा केने छलिन । अखनक मिति धरि ओ देशक एक मात्र महिला राष्ट्रपति छथि। ओ २००५ धरि श्रीलङ्क फ्रिडम पार्टी कऽ नेता समेत भेल छलिन । [१][२] २०१५ मे ओ राष्ट्रिय एकता तथा पुननिर्माण कार्यालयक अध्यक्ष चयन भेल ।[३]

महामहिम
चन्द्रिका कुमारातुंगा
पाँचौ श्रीलङ्काका राष्ट्रपति
कार्यकाल
१२ नोबेम्बर १९९४ – १९ नोबेम्बर २००५
प्रधानमन्त्रीसिरिमावो बन्दरानाइके
Ratnasiri Wickremanayake
रणिल बिक्रमासिंघे
महिन्दा राजपाक्ष
पूर्वाधिकारीDingiri Banda Wijetunga
उतराधिकारीमहिन्दा राजपाक्ष
११ औ श्रीलङ्काका प्रधानमन्त्री
कार्यकाल
१९ अगस्ट १९९४ – १२ नवम्बर १९९४
राष्ट्रपतिDingiri Banda Wijetunga
पूर्वाधिकारीरणिल बिक्रमासिंघे
उतराधिकारीसिरिमावो बन्दरानाइके
श्रीलङ्का फ्रिडम पार्टीको नेता
कार्यकाल
१९९४–२००६
पूर्वाधिकारीसिरिमावो बन्दरानाइके
उतराधिकारीमहिन्दा राजपाक्ष
व्यैक्तिक विवरण
जन्म
चन्द्रिका बन्दरानाइके

(१९४५-०६-२९) २९ जुन १९४५ (उमर ७८)
कोलम्बो, ब्रिटिस सिलोन
राजनैतिक दलश्रीलंका फ्रिडम पार्टी
जीवनसाथीविजय कुमारातुंगा (१९७८–१९८८)
बाल बच्चा
अभिभावक(s)एस.डब्लु.आर.डी बन्दरानाइके (पिता)
सिरिमावो बन्दरानाइके (आमा)
निवासहोरगोल्ला वालुवा
हस्ताक्षर
वेबसाइटOfficial website

प्रारम्भिक जीवन आ परिवार

चन्द्रिका आ श्रीलंकाली कुटनीतिज्ञ तिस्सा विजेयेरत्ने , पेरिसमे १९७० कऽ पूर्वार्ध

चन्द्रिका बन्दरानाइके कऽ जन्म जुन २९, १९४५ मे कोलम्बोमे भेल छल । हिनकर परिवार दोसर वर्ष रोसमेड प्लेस , कोलम्बोमे बसाई सरल ।

हिनकर पिता एस.डब्लु.आर.डी बन्दरानाइके अक्सफार्डसँ दीक्षित छल , जे हिनकर जन्मक समयमे स्थानीय प्रशासन मन्त्रि छल ।

शिक्षा

चन्द्रिकाक शिक्षा सेन्ट ब्रिजेट कन्भेन्ट , कोलम्बोमे भेल आ रोमन क्याथोलिक याक्युनस विश्वविद्यालयमे कानुनक अध्ययनक लेल भर्ना भेल । मुदा, ओ पढाई याक्युनस छोड छात्रवृत्तिमे पढ्इल फ्रान्स गेल । ओ १९६८ सँ १९७३ धरि पढ विकास अर्थशास्त्रमा पी.एच.डी केलिन ।[४][५] ओ धाराप्रवाह सिन्हाला भाषा, अङ्ग्रेजी भाषाफ्रान्सेली भाषा बोलैल नै आवैत छल ।[६]

सुरुक राजनीति

ओ १९७२ मे श्रीलंका फर्कल । हिकर माता दोसर बेर श्रीलंकाक प्रधानमन्त्री बनल छलिन आ सामाजिक बिकासक बृहत कार्यक्रम मे १९७१ मे कम्युनिस्ट बाधा भोगै परल छल ।[७] श्रीलंका घुमलावाद ओ अपन पिता अखन माता नेतृत्वक कार्यक्रमक सक्रिय सदस्य बनल ।१९७४ मे ओ महिला संघक कार्यकारी समितिक सदस्य बनल ।

शक्तिमा उदय

जेभीपी बिद्रोहक अन्त्य पछा, चन्द्रिका १९९० मे देश व्यापी भ्रमण करै राजनीतिमे लगल । १९९३ मे ओ पश्चिमी प्रादेशिक परिषदक निर्वाचनमे ओ मुख्य मन्त्रीमे बिजय भेल ।

प्रधानमन्त्री

१९९४ कऽ निर्वाचन पछा , ओ श्रीलंका फ्रिडम पार्टीक नेता बनल । ई निर्वाचनमे ओ गम्पाहा जिलासँ अगस्ट १९९४ मे निर्वाचित भेल । सिलोन वर्कर्स पार्टीक सहयोगमे १९ अगस्ट १९९४ मे गठबन्धन चन्द्रिका प्रधानमत्री कऽ सरकार बन्ल जत हिकर माता समेत मन्त्रिपरिषद्क सदस्य भेल ।[८] तत्काल नवम्बरमे राष्ट्रपति निर्वाचनक आह्वान केलक ।

राष्ट्रपति

राष्ट्रपति निर्वाचनमे हिनकर बिपक्षी गामिनी दिसानायाक छल । मुदा लिट्टेक आत्मघाती बम विष्फोटमे दिसनायाकेक हत्या भेल वाद पछा हिकर बिधवा पत्नी श्रीमा दिसनायाके हिकर मनोनयन फिर्ता लेलक । १९९४ कऽ राष्ट्रपतीय निर्वाचनमे चन्द्रिका ६२.२८ % मत ल्यावैत विजयी भेल । १९९४ नवम्बरमे श्रीलंकाक प्रथम महिला राष्ट्रपति भेलवाद , ओ प्रधानमन्त्री कऽ अपन उत्तरधिकारीक रुपमे अपन आफाके नियुक्त केलक ।

सम्मान

चन्द्रिका कुमारातुंगाके २०१८ मे फ्रेन्च पदक कमान्डर अफ लिजन अफ अनर सम्मानित केलक ।

व्यक्तिगत जीवन

चन्द्रिका कऽ विवाह चलचित्र कर्मी तथा राजनीतिज्ञ विजय कुमारातुंगा संग १९७८ मे भेल छल ,जे १६ फरबरी १९८८ मे हत्या भेल ।