जाम मिनार

जाम मिनार (फारसी: ur) या मीनार-ए-जाम (अङ्ग्रेजी: Minaret of Jam) पश्चिमी अफगानिस्तानक एक विश्व सम्पदा क्षेत्र छी । ई अफगानिस्तानक गोर प्रान्तक सहरक जिलामे हरी नदी (हरीरूद) क किनार खडा एक प्रसिद्ध ईंटा सँ बनल मिनार छी । ई ६५ मीटर उँच मीनार[१] दिल्लीक कुतुब मिनारक बाद दुनियाक दोसर सब सँ उँच मिनार छी, हालांकि कुतुब मिनार वास्तवमे अहि मिनार सँ प्रेरित भ बनाएल गेल छल । मिनार-ए-जाम जाम नदी आ हरी नदीक सङ्गमक बगल मे अछि आ चारो दिस सँ २,४०० मिटर उँच पहुँचैवाला पहाडसभ सँ घेरल अछि । सन् ११९० क दशकमे बनल ई मिनार पर ईंट, गच पलस्तर (स्टक्को) आ टाइलसभ लागल अछि जाहिपर कुरानक आयत आ आकर्षक लकीर व आकृतिसभ बनाएल गेल अछि ।[२] सन् २०१४ मे बिबिसी अपन एक प्रतिवेदनमे ई मिनारक स्थलगत निरीक्षणक बाद कहलक की ई खतरापूर्ण स्थितिमे पहुँच गेल अछि ।[३]

युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र
जाम मिनार
Minaret of Jam
विश्व सम्पदा सूचीमे उल्लेख कएल अनुसारक नाम
प्रकारसांस्कृतिक
मापदण्डii, iii, iv
सन्दर्भ211
युनेस्को क्षेत्रएसिया-प्रसान्त
सूचीकृत इतिहास
सूचीकृत२००२ (२६अम शत्र)
खतरापूर्ण२००२–वर्तमान
जाम मिनार अफगानिस्तानपर अवस्थित
जाम मिनार
जाम मिनारक नक्सा अफगानिस्तानमे ।

इतिहास

चित्र दीर्घा

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी