फारसी भाषा


फारसी (ur‎), एक भाषा छी जे इरान, ताजिकिस्तान, अफगानिस्तानउज्बेकिस्तानमे बाजल जाइत अछि । ई इरान, अफगानिस्तान, ताजिकिस्तानक आधिकारिक भाषा छी आ ई भाषा अनुमानित रूप सँ ७.५ करोड़ लोक बजैत अछि । भाषा परिवारक दृष्टिकोण सँ ई भारोपेली भाषा परिवारक इन्डो इरानी शाखाक इरानी उपशाखाक सदस्य छी आ हिन्दी जका एहिमे क्रिया वाक्यक अन्तमे अवैत अछि । फारसी संस्कृत सँ बहुत हद धरि मिलैत-जुलैत अछि आ उर्दू (आओर हिन्दी) मे एकर बहुतेक शब्द प्रयुक्त होइत अछि । ई अरबी-फारसी लिपिमे लिखल जाइत अछि । अंग्रेजसभक आगमन सँ पहिने भारतीय उपमहाद्वीपमे फारसी भाषाक प्रयोग दरबारी कामसभ तथा लेखनक भाषाक रूपमे होइत छल । दरबारमे प्रयुक्त होमए कें कारण अफगानिस्तानमे एकरा दारी कहल जाइत अछि ।

फारसी
Persian
فارسی
उच्चारण:[फारसी]
बाजल जाइवाला  स्थान:इरान, अफगानिस्तान, ताजिकिस्तान, उज्बेकिस्तानबहराइन भारत, पाकिस्तान, तुर्कमेनिस्तान, कुवैत, बहराइन, कतार, टर्की, इजरायल, संयुक्त अरब इमिरेट्स, अमेरिका, क्यानाडा, रूस, जर्मनी, फ्रान्स, स्पेन, स्वीडेनब्राजिलमे बसोबास केनिहार इरानी, अफगानी, ताजिकी आ उज्बेकी समुदायसभ
प्रयोग क्षेत्र:मध्य पूर्व, मध्य एशिया
मातृभाषी:ca. ५,६०,००,००० मातृभाषा (२००६)
भाषा परिवार:
भारोपेली भाषा परिवार
आधिकारिक अवस्था
आधिकारिक भाषा
आकृति:IRN
आकृति:AFG
आकृति:TJK
नियन्त्रण कर्ताफारसी भाषा आ साहित्य एकडेमी
अफगानिस्तान विज्ञान एकेडमी
भाषा कोड:
आइएसओ ६३९-१fa
आइएसओ ६३९-२per (B)
fas (T)
आइएसओ ६३९-३variously:
fas – Persian
prs – पूर्वी फारसी
pes – पश्चिमी फारसी
tgk – Tajik
aiq – Aimaq
bhh – Bukharic
deh – Dehwari
drw – Darwazi
haz – Hazaragi
jpr – Dzhidi
phv – Pahlavani

वर्गीकरण

ई भाषा भारोपेली भाषा परिवारक इन्डो-इरानी भाषा शाखाक इरानी भाषासभक उपशाखाक पश्चिमी विभागमे वर्गीकृत कएल जाइत अछि । ओना तँ भारतीय उपमहाद्वीपमे फारसीकें गल्ती सँ अरबी भाषाकें समीप समझल जाइत अछि, भाषावैज्ञानिक दृष्टि सँ ई अरबी सँ बहुत भिन्न आ संस्कृत भाषाक बहुत समीप अछि । संस्कृत आ फारसीमे बहुतेक लगभग हजार सँ अधिक मिलैत-जुलैत सजातीय शब्द भेटैंत अछि जे दुनू भाषासभक साझा धरोहर छी, उदाहरणक रूपमे सप्ताह/हफ्ता, नर/नर (पुरुष), दूर/दूर, हस्त/दस्त (हाथ), शत/सद (सौ), आप/आब (पानी), हर/जर (फारसीमे पियर-सोनगर, संस्कृतमे पियर-हरियर), मय/मद/मधु (शराब/शहद), अस्ति/अस्त (अछि), रोचन/रोशन (चमकीला), एक/येक, कपि/कपि (वानर), दन्त/दन्द (दाँत), मातृ/मादर, पितृ/पिदर, भ्रातृ/बिरादर (भाई), दुहितृ/दुख्तर (बेटी), वंश/बच/बच्चा, शुकर/खूक (सूअर), अश्व/अस्ब (घोड़ा), गौ/गऊ (गाय), जन/जान (संस्कृतमे व्यक्ति/जीव, फारसीमे जीवन), भूत/बूद (छल, अतीत), ददामि/दादन (देना), युवन/जवान, नव/नव (नव) आ सम/हम (बराबर)।[१][२]

इतिहास

भाषा

लिपि

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी