हिन्दू धर्म

हिन्दू धर्म (संस्कृत: सनातन धर्म) एक धर्म (या, जीवन पद्धति) छी जकर अनुयायी अधिकांशतः भारत ,नेपाल आ मॉरिशसमे बहुमतमे अछि । एहिक विश्वक प्राचीनतम धर्म कहल जाइत अछि । एकरा 'वैदिक सनातन वर्णाश्रम धर्म' सेहो कहल जाइत अछि जकर अर्थ होइत अछि कि एकर उत्पत्ति मानवक उत्पत्तिसँ पहिने भेल छल ।[१] विद्वान लोकसभ हिन्दू धर्म कऽ भारतक विभिन्न संस्कृतीसभ एवं परम्परासभक सम्मिश्रण मानैत छथि जकर कोनो संस्थापक नै अछि ।

ई बक्साके: देखु  संवाद  सम्पादन

हिन्दू धर्म
पर एक श्रेणीक भाग

Om
इतिहास · देवता
सम्प्रदाय · आगम
विश्वास आ दर्शनशास्त्र
पुनर्जन्म · मोक्ष
कर्म · पूजा · माया
दर्शन · धर्म
वेदान्त ·योग
शाकाहार  · आयुर्वेद
युग · संस्कार
भक्ति {{हिन्दू दर्शन}}
ग्रन्थ
वेदसंहिता · वेदांग
ब्राह्मणग्रन्थ · आरण्यक
उपनिषद् · श्रीमद्भगवद्गीता
रामायण · महाभारत
सूत्र · पुराण
शिक्षापत्री · वचनामृत
सम्बन्धित विषय
दैवी धर्म ·
विश्वमे हिन्दू धर्म
गुरु · मन्दिर देवस्थान
यज्ञ · मन्त्र
शब्दकोश · हिन्दू पर्व
विग्रह
पोर्टल: हिन्दू धर्म

हिन्दू मापन प्रणाली

ई धर्म अपन भितर बहुतो अलग-अलग उपासना पद्धतीसभ, मत, सम्प्रदाय आ दर्शन समेटिने अछि।[२] अनुयायीसभक संख्याक आधार पर ई विश्वक तेसर सभसँ पैग धर्म छी । संख्याक अनुसार एकर अधिकतर उपासक भारतमे अछि आ प्रतिशतक अनुसार नेपालमे अछि । एहिमे बहुतो देवी-देवतासभक पूजा कएल जाइत अछि, मुदा वास्तवमे ई एकेश्वरवादी धर्म छी ।[३][४][५]

एकरा सनातन धर्म या वैदिक धर्म सेहो कहल जाइत अछि । इण्डोनेशियामे एहि धर्मक औपचारिक नाम "हिन्दु आगम" अछि । हिन्दू केवल एकटा धर्म या सम्प्रदाय मात्र नै छी अपितु जीवन जीबऽक एक पद्धति छी ।[६]

इतिहास

सनातन धर्म पृथ्वीक सभसँ प्राचीन धर्मसभमे सँ एक छी; मुदा एकर इतिहासक बारेमे बहुतो विद्वानसभक भिन्न मत अछि । आधुनिक इतिहासकार हड़प्पा, मेहरगढ़ आदि पुरातात्विक अन्वेषणसभक अनुसार एहि धर्मक इतिहास किछ हज़ार वर्ष पुरान मानैत अछि । जहि ठाम भारत (आ आधुनिक पाकिस्तानी क्षेत्र)क सिन्धु घाटी सभ्यतामे हिन्दू धर्मक बहुतो चिह्न मिलैत अछि । एहिमे एक अज्ञात मातृदेवीक मुर्तीसभ, भगवान शिव पशुपति जेहन देवताक मुद्रासभ, शिवलीङ्ग, पीपलक पूजा, इत्यादि मुख्य अछि । इतिहासकारसभक एक दृष्टिकोणक अनुसार ई सभ्यताक अन्त कऽ कालखण्डमे मध्य एशियासँ एक अन्य जातिक आगमन भेल, जे स्वयं कऽ आर्य कहैत छल आ संस्कृत नामक एक हिन्द यूरोपीय भाषा बोलैत छल । एक अन्य दृष्टिकोणक अनुसार सिन्धु घाटी सभ्यताक लोकसभ स्वयं आर्य छल आर हुनकासभक मूलस्थान भारतमे छल ।

आर्यसभक सभ्यता कऽ वैदिक सभ्यता कहैत अछि । पहिनेक दृष्टिकोणक अनुसार लगभग १७०० ईसा पूर्वमे आर्य अफ़्ग़ानिस्तान, कश्मीर, पञ्जाव आ हरियाणामे बसि गेल । तखनसँ ओ लोकसभ (हुनकासभक विद्वान ऋषि) अपन देवतासभक प्रसन्न करऽक लेल वैदिक संस्कृतमे मन्त्र रचैत छलाह । पहिल चारि वेद रचल गेल, जहिमे ऋग्वेद प्रथम छल । ओकर बादमे उपनिषद जका ग्रन्थ आएल । हिन्दू मान्यताक अनुसार वेद, उपनिषद आदि ग्रन्थ अनादि, नित्य अछि, ईश्वरक कृपासँ अलग-अलग मन्त्रद्रष्टा ऋषिसभ द्वारा अलग-अलग ग्रन्थसभक ज्ञान प्राप्त भेल छल जिनकासभक द्वारा पुनः ओकरा लिपिबद्ध कएल गेल । बौद्ध आर धर्मसभक अलग भऽ जेबाक बादमे वैदिक धर्ममे बहुतो परिवर्तन आएल । नव देवता आ नव दर्शनसभ अगाड़ी आएल । एहि अनुसार आधुनिक हिन्दू धर्मक जन्म भेल ।

दोसर दृष्टिकोणक अनुसार हिन्दू धर्मक मूल कदाचित सिन्धु सरस्वती परम्परा (जकर स्रोत मेहरगढ़क ६५०० ईपू संस्कृतिमे मिलैत अछि) सँ पहिनेक भारतीय परम्परामे अछि ।

निरुक्त

भारतवर्षक प्राचीन ऋषिसभ द्वारा "हिन्दुस्थान" नाम देल गेल छल, जकर अपभ्रंश "हिन्दुस्तान" छी । "बृहस्पति आगम"क अनुसार:

हिमालयात् समारभ्य यावत् इन्दु सरोवरम्।
तं देवनिर्मितं देशं हिन्दुस्थानं प्रचक्षते॥
अर्थात् हिमालयसँ प्रारम्भ भऽ इन्दु सरोवर (हिन्द महासागर) धरि एहि देव निर्मित देशकऽ हिन्दुस्थान कहल जाइत अछि ।

मुख्य सिद्धान्त

ब्रह्म

ईश्वर

देवी आ देवता

हिन्दू धर्मक पांच प्रमुख देवतासभ

देवता सभक गुरु

दानव सभक गुरु

आत्मा

धर्मग्रन्थ

देव आ दानवसभक माता-पिताक नाम

२००८ कऽ गणनाके अनुसार

हिन्दू संस्कृति

वैदिक काल आ यज्ञ

तीर्थ एवं तीर्थ यात्रा

मूर्तिपूजा

मन्दिर

पावनिसभ

शाकाहार

वर्ण व्यवस्था

अवतार

भक्त

एहो सभ देखी

बाह्य जडीसभ

हिन्दू धर्मक सम्बन्धमे विकिपिडियाक भातृ योजनासभमे ताकी:

पाठ्यपुस्तक विकिपुस्तकसँ
स्रोत पदसभ विकिस्रोतसँ
चित्र आ मिडीया कमन्ससँ
समाचार विकिसमाचारसँ
सिखैवाला स्रोतसभ विकिभर्सिटीसँ

सन्दर्भ सामग्रीसभ