महाभारत

महाभारत हिन्दुसभक एक प्रमुख काव्य ग्रन्थ छी, जे स्मृति वर्गमे आबैत अछि । कहियो कहियो मात्र भारत कहल जाइवाला ई काव्यग्रन्थ भारतक अनुपम धार्मिक, पौराणिक, ऐतिहासिक आ दार्शनिक ग्रन्थ छी । विश्वक सबसँ लम्बा ई साहित्यिक ग्रन्थ आ महाकाव्य, हिन्दू धर्मक मुख्यतम ग्रन्थसभमे सँ एक छी । ई ग्रन्थके हिन्दू धर्ममे पञ्चम वेद मानल जाइत अछि ।[१] यद्यपि एकरा साहित्यक सबसँ अनुपम कृतिसभमे सँ एक मानल जाइत अछि, मुदा आइयो ई ग्रन्थ प्रत्येक हिन्दू धर्मावलम्बीक लेल एक अनुकरणीय स्रोत छी । ई कृति प्राचीन भारतक इतिहासक एक गाथा छी । एहिमे हिन्दू धर्मक पवित्रतम ग्रन्थ भगवद्गीता सन्निहित अछि । सम्पूर्ण महाभारतमे लगभग १,१०,००० श्लोक अछि[२], जे युनानी काव्यसभ इलियड आ ओडिसीसँ परिमाणमे दस गुणा अधिक अछि ।[३][४]

महाभारत
Mahabharata
महाभारत महाकाव्यक हस्तलिखित पाण्डुलिपि
जानकारी
धर्महिन्दू
रचियतावेदव्यास
लेखकगणेश
भाषासंस्कृत
समय कालइशा पूर्व ३,१०० (वेदव्यासद्वारा)
ई बक्साके: देखु  संवाद  सम्पादन

हिन्दू धर्म
पर एक श्रेणीक भाग

Om
इतिहास · देवता
सम्प्रदाय · आगम
विश्वास आ दर्शनशास्त्र
पुनर्जन्म · मोक्ष
कर्म · पूजा · माया
दर्शन · धर्म
वेदान्त ·योग
शाकाहार  · आयुर्वेद
युग · संस्कार
भक्ति {{हिन्दू दर्शन}}
ग्रन्थ
वेदसंहिता · वेदांग
ब्राह्मणग्रन्थ · आरण्यक
उपनिषद् · श्रीमद्भगवद्गीता
रामायण · महाभारत
सूत्र · पुराण
शिक्षापत्री · वचनामृत
सम्बन्धित विषय
दैवी धर्म ·
विश्वमे हिन्दू धर्म
गुरु · मन्दिर देवस्थान
यज्ञ · मन्त्र
शब्दकोश · हिन्दू पर्व
विग्रह
पोर्टल: हिन्दू धर्म

हिन्दू मापन प्रणाली

हिन्दू मान्यतासभ, पौराणिक सन्दर्भसभ आ स्वयं महाभारतक अनुसार ई काव्यक रचनाकार वेदव्यास जी के मानल जाइत अछि । ई काव्यक रचयिता वेदव्यास जी अपन ई अनुपम काव्यमे वेदसभ, वेदाङ्गसभ आ उपनिषदसभके गुह्यतम रहस्यसभक निरुपण केनए अछि । एकर अतिरिक्त ई काव्यमे न्याय, शिक्षा, चिकित्सा, ज्योतिष, युद्धनीति, योगशास्त्र, अर्थशास्त्र, वास्तुशास्त्र, शिल्पशास्त्र, कामशास्त्र, खगोलविद्या तथा धर्मशास्त्रक सेहो विस्तारसँ वर्णन कएल गेल अछि ।[५]

परिचय

कम्बोडियाक अङ्कोर वाटमे वेदव्यास आ गणेश जीके महाभारतक रचना करैतकालक एक शिलाचित्र

आरम्भ

महाभारत ग्रन्थक आरम्भ निम्न श्लोकक साथ होइत अछि:
नारायणं नमस्कृत्य नरं चैव नरोत्तमम्।

देवीं सरस्वतीं चैव ततो जयमुदीरयेत्।।

मुदा महाभारतके आदिपर्वमे देल वर्णनक अनुसार कयन विद्वान ई ग्रन्थक आरम्भ नारायणं नमस्कृत्य सँ, तँ कियो आस्तिक पर्वसँ आ दोसर विद्वान ब्राह्मण उपचिर वसुक कथासँ एकर आरम्भ मानैत अछि ।[६]


सन्दर्भ सामग्रीसभ

वाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी