अन्टार्क्टिका

महादेश

अन्टार्क्टिका (US English /æntˈɑːrktɪkə/, UK English /ænˈtɑːktɪkə/ or /ænˈtɑːtɪkə/ or /ænˈɑːtɪkə/)[२] विश्वक सात महादेशमे सँ एक छी । ई महादेशमे मानव वस्ती शुन्य अछि । ई पृथ्वीक दक्षिणतम महादेश छी, जहिमे दक्षिणी ध्रुव अन्तर्निहित अछि । ई दक्षिणी गोलार्द्धक अन्टार्क्टिका क्षेत्र आ लगभग पूर्ण तरह सँ अन्टार्क्टिक वृतक दक्षिणमे स्थित अछि । ई चारो दिस सँ दक्षिणी महासागर सँ घेरल अछि । अपन १४० लाख वर्ग किलोमिटर (५४ लाख वर्ग मेल) क्षेत्रफलक संगे ई, एसिया, अफ्रिका, उत्तरी अमेरिका आ दक्षिणी अमेरिकाक बाद, पृथ्वीक पाचम सब सँ पैग महादेश छी, अन्टार्क्टिकाक ९८% भाग औसतन १.६ किलोमिटर मोट बर्फ सँ छोपल अछि ।

अन्टार्क्टिका
This map uses an orthographic projection, near-polar aspect. The South Pole is near the center, where longitudinal lines converge.
क्षेत्रफल१,४०,००,००० किमी (५४,००,००० वर्ग माइल)[१]
जनसङ्ख्याc. १३५ स्थायी वासिन्दा
c. ५,००० अस्थायी वासिन्दा
राष्ट्रियताअन्टार्क्टिका
इन्टरनेट टिएलडी.aq

औसत रूप सँ अन्टार्क्टिका, विश्वक सबसँ ठन्डा, शुष्क आ तेज हवा भएल महादेश छी आ सभ महादेशक तुलनामे एकर औसत उन्नयन सर्वाधिक अछि ।[३][४]

इतिहास

भूगोल

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ

अन्टार्क्टिकाक सम्बन्धमे विकिपिडियाक भातृ योजनासभमे ताकी:

परिभाषा विकिस्नरीसँ
पाठ्यपुस्तक विकिपुस्तकसँ
उद्घरण विकिउद्रघरणसँ
स्रोत पदसभ विकिस्रोतसँ
चित्र आ मिडीया कमन्ससँ
समाचार विकिसमाचारसँ
सिखैवाला स्रोतसभ विकिभर्सिटीसँ

एहो सभ देखी