क्रिस्टियानो रोनाल्डो

क्रिस्टियानो रोनाल्डो डस सान्तोस (जन्म: ५ फेब्रुअरी १९८५, चर्चित नाम: क्रिस्टियानो रोनाल्डो) पोर्चुगल राष्ट्रिय फुटबल टिम तथा रियल म्याड्रिडक अग्रपङ्क्तिक फुटबल खेलाडी छी । ओ पोर्चुगल राष्ट्रिय फुटबल टिमक कप्तान सेहो छी । ओ बाइस वर्ष कऽ उमरमे फिफा बेलन डि'ओर आ फिफा विश्व बर्ष खेलाडी उपाधिक लेल मनोनित भेल छल । ओ सन् २००८ मे अपन जीवनक पहिल फिफा बेलन डि'ओर आ फिफा विश्व वर्ष खेलाडीक उपाधि जित्न सफल भेल छला । ओ विश्व फुटबलक सबसँ महान् खेलाडीमे सँ एक छी ।

क्रिस्टियानो रोनाल्डो
Cristiano Ronaldo
व्यक्तिगत विवरण
पुरा नामक्रिस्टियानो रोनाल्डो डस सान्तोस अभेइरो
जन्म मिति (१९८५-०२-०५) फरबरी ५, १९८५ (उमर ३९)
जन्म स्थानफन्चल, म्याडेइरा, पोर्चुगल
उचाई१.८६ मी (६ फिट १ इन्च)[१]
खेलैक स्थानफरवार्ड
क्लबक विवरण
वर्तमान क्लबरियल म्याड्रिड
क्रम
युवा क्लब
१९९३–१९९५एन्डोरिन्हा
१९९५–१९९७नेकियोनल
१९९७–२००२स्पोर्टीङ सिपि
सिनियर क्लब*
वर्षक्लबसभखेल(गोल)
२००२–२००३स्पोर्टिङ सिपि२५(३)
२००३–२००९म्यान्चेस्टर युनाइटेड१९६(८४)
२००९–रियल म्याड्रिड२४१(२६२)
राष्ट्रिय टिम
२००१–२००२पोर्चुगल यु१७(६)
२००३पोर्चुगल यु२०(१)
२००२–२००३पोर्चुगल यु२१(३)
२००४पोर्चुगल यु२३(१)
२००३–पोर्चुगल१३५(६६)
  • बरिष्ठ फुटबल क्लबमे उपस्थिति आ खेलैत काल कएल गेल गोल (गोलके घरेलु लिगमे कएल गेल गनल जाइत) नवीनतम जानकारी १६ अक्टुबर २०१६.


† राष्ट्रिय टिममे उपस्थिति आ खेलैत काल कएल गेल गोल नवीनतम जानकारी १६ अक्टुबर २०१६

सामान्य परिचय

रोनाल्डो म्यानचेस्टरसँ रियल म्याड्रिडमे स्थानान्तरण होइत समय संसारक सबसँ महग खेलाडी बनल छल यद्यपी हुनकर ई किर्तिमान हुनकरे समकक्षी ग्यारेथ बेलद्वारा सन् २०१३ मे तोडल गेल छल । रोनाल्डोद्वारा अपन युवा करियर एन्डोरिन्हासँ प्रारम्भ केनए छल जतय ओ दुई बर्ष बितेनाए छल । सन् १९९७ मे ओ स्पोर्टिङ सिपिके चुनैसँ पहिने ओ नेकियोनल क्लब कऽ लेल सेहो खेलैत छल । सन् २००३ मे ओ अपन उत्कृष्ट खेल शैलीक कारण म्यानचेस्टर युनाइटेडक प्रशिक्षक सर एलेक्स फर्गुसन कऽ ध्यान आकर्षण केनए छल, जे हुनका €१५ मिलियनमे अपन क्लबमे आबद्द करौलक । सन् २००८, सन् २०१३ तथा सन् २०१४ मे फिफा/ बलोन डी'ओर अवार्ड जितैमे सफल रोनाल्डो सन् २००८, सन् २०११ आ सन् २०१४ कें युरोपियन गोल्डेन बुट विजेता सेहो छी ।[२]

जीवनी

रोनाल्डोक जन्म पोर्चुगलक फञ्चल, म्याडेइराक एक बस्ती सान्तो आन्तोनियोमा ५ फरबरी १९८५ दिन माता मारिया डोलोरेस डस सान्तोस अभेइरो आ पिता होजे डिनिस अभेइरोका छोट सन्तानक रूपमे भेल छल । क्रिस्टियानो रोनाल्डोक एक भाई ह्युगो आ दुई दिदी एल्मा आ लिलाना कातिया अछि । क्रिस्टियानो रोनाल्डोक नामक दोश्रो भाग रोनाल्डो पोर्चुगलमे अपेक्षाकृत दुर्लभ अछि । हिनकर मातापिता ई नाम ओहिसमयक अमेरिकी राष्ट्रपति रोनाल्ड रेगनक नाममे राखने छल कियाकी रोनाल्ड रेगन हिनकर पिताक मन परल अभिनेता छल ।

क्लब खेल जीवन

स्पोर्टिङ सिपी

स्पोर्टिङ सिपीक सङ्ग्राहालयमे रोनाल्डोक सम्झनाक लेल राखिएल सामाग्रीसभ

रोनाल्डो १६ वर्षक होएत कल हिनकर ड्रिबलिङ क्षमतासँ प्रभावित भऽ स्पोर्टिङ सिपीक प्रशिक्षकसँ हुनका युवा टिमसँ मुख्य टिममे बढुवा केलक। [३] ओ एकै सिजनमे क्लबक १६ वर्ष निचाक उमेर समूह, १७ वर्ष निचाक उमेर समूह, १८ वर्ष निचाक उमेर समूह, बी टिम आ मुख्य टिमसँ खेलैवाल पहिल खेलाडी बनल ।[४] सन २००२ अक्टूबर ७ मे ओ पोर्चुगलक प्रिमियर लिगक पहिल खेलमे दुई गोल केलक जे खेलमे उनकर टिम ३-० विजयी भेल ।[५] स्पोर्टिङ आ म्यानचेस्टर युनाइटेडबिच सन् २००३ अगस्टमे लिस्बनमे भेल खेलमे युनाइटेड ३-१ ले पराजित होएत युनाइटेडक खेलाडीसभ आ प्रशिक्षक सर एलेक्स फर्गुसन रोनाल्डोक खेल कौशलसँ अत्याधिक प्रभावित भेल । एहि खेलसँ रोनाल्डोके युनाइटेडमे स्थानान्तरण करैल मुख्य भूमिक खेलक।[६] फर्गुसन ओहिसमय रोनाल्डोके अपन जीवनमे भेटेल सर्वोत्कृष्ट युवा खेलाडीमध्ये एक बनल छल ।[७][८] रोनाल्डो स्पोर्टिङसँ बाहिरिएल एक दशक पछा सन् २०१३ अप्रिलमे क्लबसँ हुनका क्लबक १००,०००अम सदस्य बना सम्मान केने अछि।[९]

म्यानचेस्टर युनाइटेड

२००३-२००६: विकास आ परिपक्वता

सन २००३-०४ सिजन अगाडि म्यानचेस्टर युनाइटेडमे अनुबन्धित भेल रोनाल्डो क्लबमे खेलैल पोर्चुगलक पहिल खेलाडी बनल ।[१०] £१२.२४ मिलियनमे भित्र्याएल ओ उक्त समयमे बेलायतक फुटबल इतिहासमे सर्वाधिक महङ्गा किशोर खेलाडी भेल छल।[११] ओ २८ नम्बरक जर्सीक माग केने छल कियाकी ई नम्बर स्पोर्टिङमे लावने छल मुदा ओ ७ नम्बरक जर्सी पावलक जे नम्बर क्लबक प्रभावशाली खेलाडीसभ जहिना जर्ज बेस्ट, इरिक क्यान्टोना, डेभिड बेक्ह्याम आदि लावैत छल ।[१२][१३] यसले उनलाई थप उत्साहित बनायो,[१३] हुनका ३ वर्षभितर विश्वक सर्वश्रेष्ठ खेलाडी मध्ये एक बनैल लक्ष्य राखलक।[१४] रोनाल्डोक खेल जीवनके उचाईमे पुचावैल म्यानचेस्टर युनाइटेडक प्रशिक्षक सर एलेक्स फर्गुसनक महत्वपुर्ण भूमिका रहयो। रोनाल्डो कहैने अछि, फुटबल खेलमे फर्गुसन हमर पिता छी, हमर जीवनक एक बहुत महत्वपुर्ण आ प्रभावशाली व्यक्ति छथि। [१५]

विगतमे विभिन्न खेलाडीसभके 'नयाँ जर्ज बेस्ट' कहै चिनैत छल , मुदा हमर प्रशंसा करै जहिना हमरा पहिल बेर लागैत अछि।

— १८ वर्षे रोनाल्डोक बारेमे पूर्व म्यानचेस्टर युनाइटेड खेलाडी जर्ज बेस्ट[१६]

सन २००३ अगस्त १६ मे oरोनाल्डो युनाइटेडक लेल पहिल खेल खेलक। बोल्टोन वान्डरर्स विरुद्ध युनाइटेड ४-० ले विजयी भेल प्रिमियर लिगक खेलक ६०अम मिनेटमे रोनाल्डो मैदान प्रवेश करैत सब दर्शक स्वागत केने छल ।[१७][१८][१९] उक्त खेलमे रोनाल्डोक प्रदर्शनके पूर्व म्यानचेस्टर युनाइटेड खेलाडी जर्ज बेस्ट सबसँ आकर्षक पहिल खेल बनल छल ।[१६] युनाइटेडक लेल रोनाल्डो पहिल गोल ओही नवम्बर १ मे फ्री किक मार्फत केलक, उक्त खेलमे पोर्टस्माउथ ३-० पराजित भेल ।[२०] उक्त सिजन लिगमे रोनाल्डो थप तीन गोल केलक।[२१][२२] उक्त सिजन लिगक अन्तिम दिन एस्टन भिल्लाविरुद्ध हुनका एक गोल करैके साथै पहिल बेर लाल कार्ड सेहो पावलक।[२३] एफए कपमे मिलवाल एफसी विरुद्ध ३-० क जितमे पहिल गोल केने रोनाल्डो युनाइटेडमे पहिल उपाधि जितैत अपन पहिल सिजन बिताएलक।[२४]

सन २००६ मे प्रिमियर लिगमे चेल्सी विरुद्ध खेलैत रोनाल्डो

सन् २००४-०५ सिजनमे उत्कृष्ट खेल अपन विकासक्रम जारी राखलक।[२५][२६][२७][२८] [२९][३०][३१][३२] [३३] विङ्गसँ खेल अत्याधिक गोल नै करै सेहो ओ सन् २००५-०६ क सिजनमे तीन खेलमे दुई/दुई गोल केलक।[३४] [३५] [३६] सन् २००५ अक्टोबर २९ मे ओ प्रिमियर लिगमे युनाइटेडक १००० अम गोल केलक मुदा उक्त खेलमे युनाइटेड पराजित भेल ।[३७] ओही सिजनक मध्यदिश ओ क्लबसँगक अनुबन्ध दुई वर्ष थप सन् २०१० तक पुर्‍याएलक।[३८] सन् २००५-०६ कऽ लिग कप फाइनलमे गोल करैत ओ युनाइटेडक लेल दोसर उपाधि जितलक।[३९]

२००७-२००९: सफलता हि सफलता

सन २००६-०७ कऽ सिजनमे रोनाल्डो

सन् २००६-०७ कऽ सिजनमे युइएफएर च्याम्पियन्स लिगक उत्कृष्ट आठक खेलमे रोमा क्लब विरुद्ध युनाइटेड ७-१ कऽ जित निकाल्दा रोनाल्डो दुई गोल करैत च्याम्पियन्स लिगमे गोलक खाता खोलक। [४०][४१] सन् २००७ मे ५ को म्यानचेस्टर डर्बीमे एक गोल करैत ओ युनाइटेडक लेल गोल सङ्ख्या ५० पुर्‍याएलक। ओही सिजन युनाइटेड चार वर्ष पछा फेर लिगक उपाधि जितक।[४२] उत्कृष्ट प्रदर्शनक कारण रोनाल्डो पिएफए (Professional Footballers' Association: व्यवसायिक फुटबल खेलाडी सङ्गठन) वर्ष खेलाडी, पिएफए फ्यान वर्ष खेलाडी, पिएफए युवा वर्ष खेलाडी तथा एफडब्लुए (Football Writers' Association: फुटबल पत्रकार सङ्गठन) वर्ष खेलाडीक उपाधि जितलक।[४३][४४] ई चार उपाधि एकैसाथ जितैल ओ पहिल खेलाडी बनल।[४५] क्लबसँ उनकर तलब बढा £१२०,००० प्रतिहप्ता पुर्‍यालक ओ पाँच वर्षक लेल अनुबन्ध बढाउन सहमति जनालक।[४६]

रोनाल्डो फ्री किक हानैल तयार होएत

पोर्चुगलका विश्वकपमा प्रभाव पार्न सक्ने खेलाडी 'क्रिस्टियानो रोनाल्डो'

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी