सचिन तेन्दुलकर

सचिन रमेश तेन्दुलकर (/ˌsəɪn tɛnˈdlkər/; जन्म: २४ अप्रैल १९७३) एक पूर्व भारतीय क्रिकेट खेलाडी आ कप्तान छी । क्रिकेटक इतिहासमे सचिनके विश्वक सर्वश्रेष्ठ बल्लेबाजसभमे गिनल जाइत अछि । भारतक सर्वोच्च नागरिक सम्मान भारत रत्नसँ सम्मानित होमए वाला ओ सर्वप्रथम खेलाडी आ सबसँ कम उमरक व्यक्ति छी ।[७] सचिन तेन्दुलकर राजीव गान्धी खेल रत्न पुरस्कारसँ सम्मानित एकमात्र क्रिकेट खेलाडी छी । सन् २००८ मे हुनका पद्म विभूषणसँ सेहो पुरस्कृत कएल गेल छल ।

सचिन तेन्दुलकर
Sachin Tendulkar
व्यक्तिगत जानकारी
पुरा नामसचिन रमेश तेन्दुलकर
जन्म (१९७३-०४-२४) २४ अप्रैल १९७३ (उमर ५१)[१]
बोम्बे (एखन मुम्बई), महाराष्ट्र, भारत
अन्य नामलिटिल मास्टर, तेन्देल्या, क्रिकेटक भगवान,[२]मास्टर ब्लास्टर,[३]द मास्टर,[४][५]द लिटल च्याम्पियन
उचाई१.६५ मी (५ फिट ५ इन्च)
बल्लेबाजी शैलीदाहिना हात
गेन्दबाजी शैलीदाहिना हात लेग स्पिन, अफ स्पिन, मध्यमगति
काजबल्लेबाज
अन्तर्राष्ट्रिय जानकारी
राष्ट्रिय पक्ष
टेस्ट पदार्पण (टोपी २००)१५ नवम्बर १९८९ v पाकिस्तान
अन्तिम टेस्ट१४ नवम्बर २०१३ v वेस्ट इन्डिज
ओडिआई पदार्पण (टोपी ७४)१८ दिसम्बर १९८९ v पाकिस्तान
अन्तिम ओडिआई१८ मार्च २०१२ v पाकिस्तान
ओडिआई पोसाक क्रम१०
गृह टिम जानकारी
वर्षटिम
१९८८–२०१३मुम्बई
२००८–२०१३मुम्बई इन्डियनस (आइपिएल)
१९९२योर्कसायर
खेल जीवनी तथ्याङ्क
प्रतियोगिताटेस्टओडिआईएफसीएलए
म्याच२००४६३३१०५५१
रन स्कोर१५,९२११८,४२६२५,३९६२१,९९९
बल्लेबाजी औषत५३.७९४४.८३५७.९२४५.५४
१००/५०५१/६८४९/९६८१/११६६०/११४
उत्कृष्ट स्कोर२४८*२००*२४८*२००*
कूल बल४,२४०८,०५४७,५६३१०,२३०
विकेट४६१५४७१२०१
गेन्दबाजी औषत५४.१७४४.४०६२.१८४२.१७
एक पारीमे ५ विकेट
एक म्याचमे १० विकेट--
उत्कृष्ट गेन्दबाजी३/१०५/३२३/१०५/३२
क्याच/स्टम्प११५/-१३५/-१७४/-१७५/-
स्रोत: [६]क्रिकइन्फो, १५ नवम्बर २०१३

सन् १९८९ मे अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटमे पदार्पण कएलाक पश्चात् ओ बल्लेबाजीमे बहुत रास कीर्तिमान स्थापित केनए अछि । ओ टेस्टएकदिवसीय क्रिकेट, दुनू स्वरूपमे सर्वाधिक शतक बनेनिहार खेलाडी छी । ओ टेस्ट क्रिकेटमे सबसँ बेसी रन बनेनिहार बल्लेबाज सेहो छी ।[८] ई संगे ओ टेस्ट क्रिकेटमे १५,००० सँ बेसी रन बनेनिहार विश्वक एकमात्र खेलाडी छी । एकदिवसीय म्याचमे सेहो हुनका सबसँ बेसी रन बनेबाक कीर्तिमान प्राप्त अछि । ओ अपन पहिल प्रथम श्रेणी क्रिकेट म्याच मुम्बईक लेल १४ वर्षक उमरमे खेलने छल । ओ अपन अन्तर्राष्ट्रिय खेल जीवनक आरम्भ सन् १९८९ मे पाकिस्तानक विरुद्ध कराचीमे केनए छल ।

सन् २००२ मे अपन करियरक आधा बाटमे विज्डन क्रिकेटर्स अल्मानाक हुनका टेस्ट क्रिकेटक सबसँ महान ब्याट्सम्यानक सूचीमे दोसर स्थानमे राखने छल, हुनकासँ आगा अस्ट्रेलियाक डन ब्र्याडम्यान छल । तहिना एकदिवसीय क्रिकेटमे सेहो हुनका दोसर स्थान प्राप्त भेल छल, हुनकासँ आगा वेस्ट इन्डिजक भिभ रिचर्ड्स रहल छल ।[९] भारतद्वारा २०११ क्रिकेट विश्वकप जितैवाला टिममे तेन्दुलकर प्रमुख खेलाडीक रुपमे छल, भारतक प्रतिनिधित्व करैत हुनकाद्वारा खेलल गेल ६ क्रिकेट विश्वकपमे सँ ई पहिल विश्वकप जित छल ।[१०]दक्षिण अफ्रिकामे भेल २००३ क्रिकेट विश्वकप प्रतियोगितामे प्लेयर अफ द टुर्नामेन्ट भेल छल । सन् २०१३ मे विज्डन क्रिकेटर्स अल्मानकक १५०अम वार्षिकोत्सवक अवसरमे विश्व क्रिकेट इतिहासमे विश्व टेस्ट एगहारम खेलाडीक सूचीमे अपन स्थान बनेबाने सफल ओ एक मात्र एकमात्र भारतीय क्रिकेट खेलाडी छल ।[११][१२][१३]

तेन्दुलकरद्वारा क्रिकेट खेलमे कएल गेल योगदानक कदर स्वरूप भारत सरकार सन् १९९४ मे अर्जुन पुरस्कार, सन् १९९७ मे भारतक सभसँ पैग खेल सम्मान राजीव गान्धी खेल रत्नक संगे सन् १९९९ आ सन् २००८ मे क्रमसः पद्म श्रीपद्म विभूषणद्वारा सम्मानित केनए छल ।[१४] सन् २०१३ नवम्बर १६ मे अपन क्रिकेट जीवनक अन्तिम म्याचक समाप्ति पश्चात किछ देरमे प्रधानमन्त्री कार्यालय (भारत) हुनका भारतक सभसँ पैग नागरिक सम्मान भारत रत्नसँ सम्मानित करवाक निर्णय केनए छल ।[१५][१६] भारत रत्नसँ सम्मानित होमएवाला ओ अखनधरिक सभसँ कम उमरक लोक आ पहिल खेलाडी छी ।[१७][१८]

सन् २०१२ दिसम्बरमे, तेन्दुलकर एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटसँ सन्यासक घोषणा केनए छल ।[१९]ट्वान्टी२० क्रिकेटसँ अक्टुबर २०१३ मे सन्यास लेनए छल [२०]आ सन् २०१३ नवम्बर १६ मे मुम्बईक वानखेडे स्टेडियममे वेस्ट इन्डिज विरुद्ध अपन जीवनक २००अम तथा अन्तिम टेस्ट म्याच खेल क्रिकेटक सम्पूर्ण स्वरुपसँ सन्यास लेनए छल । तेन्दुलकर ६६४ अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट म्याच खेल कूल ३४,३५७ रन बनेनाए छल ।[८]

सचिन क्रिकेट जगतक सर्वाधिक प्रायोजित खेलाडी छी आ विश्व भरमे हुनकर अनेक प्रशंसक अछि । हुनकर प्रशंसकगण हुनका प्रेमसँ भिन्न-भिन्न नामसभ सँ बजबैत अछि जहिमे सबसँ प्रचलित लिटिल मास्टर आ मास्टर ब्लास्टर अछि । क्रिकेट वाहेक सचिन अपने नामसँ एकटा रेस्टोरेन्ट सेहो खोलने अछि । वर्तमानमे ओ भारतक राज्य सभाक सदस्य अछि, सन् २०१२ मे ओ राज्य सभाक सदस्यक रूपमे नामित कएल गएल छल ।[२१]

व्यक्तिगत जीवन

अञ्जली आ सचिन एक सार्वजनिक समारोहमे

तेन्दुलकरको जन्म राजापुरक मराठी ब्राह्मण परिवारमे भेल छल ।[२२] हुनकर पिता रमेश तेन्दुलकर जानल मानल कथाकार छल तँ माता रजनी एक जीवन विमा कम्पनीमे काज करैत छल ।[२३] सचिनक नाम हुनकर पिता अपन मनपोसन्द सङ्गीतकार सचिन देव बर्मनक नाममे राखने छल । हुनकर भैया अजीत तेन्दुलकर सचिनके क्रिकेट खेलक लेल प्रोत्साहित केनए छल । सचिनक एक भाई नितिन तेन्दुलकर आ एक बहिन सविता तेन्दुलकर अछि ।[२४]सन् १९९५ मे सचिन तेन्दुलकरक विवाह अञ्जली तेन्दुलकरसंग भेल छल ।[२५] सचिनक दुई बेटाबेटी अछि- सारा आ अर्जुन ।

सचिन मुम्बईके शारदाश्रम विद्यामन्दिरसँ अपन शिक्षा पुरा केनए छल । ओतय इ प्रशिक्षक रमाकान्त अचरेकरक अचरजमे अपन क्रिकेट जीवनक प्रारम्भ केनए छल ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी