हम्पी कोनेरु

हम्पी कोनेरु (तेलुगु: కోనేరు హంపీ; जन्म २१ मार्च १९८७ गुडिवाड़ा, आन्ध्र प्रदेश) एक भारतीय, चेसक ग्रयाण्डमास्टर खेलाड़ी छी ।[१] हिनकर जनवरी २०१० मे फाईड स्तर २६१४ छल, जाहिसँ ओ विश्वक दोसर स्थानक (जुड़ीट पोल्गरक बाद) महिला चेस खेलाड़ी बनि गेल । सुशान पोल्गर द्वारा स्थापित २५७७ कऽ स्तरकें हिनकाद्वारा २००७ मे पार कएल गेल आ विश्वमे दोसर स्थानक सभसँ पैग खेलाड़ी होमएक गौरव प्राप्त कएलक ।[२][३]

हम्पी कोनेरु
Humpy Koneru
सन् २०१२ मे हम्पी
पुरा नामहम्पी कोनेरु
देशभारत
जन्म (१९८७-०३-३१) ३१ मार्च १९८७ (उमर ३७)
विजयवाड़ा, आन्ध्र प्रदेश, भारत
शीर्षकग्रयाण्डमास्टर चेस २०१२
फिडे क्रम2557 (अप्रैल २०२४)
उत्कृष्ट क्रम२६२३ (जुलाई २०१९)
हम्पी कोनेरु
मेडल कीर्तिमान
 भारतक लेल प्रतियोगी
एसियाली खेल
स्वर्ण पदक – पहिल स्थान२००६ दोहामहिला एकल
स्वर्ण पदक – पहिल स्थान२००६ दोहामिश्रित टीम

व्यक्तिगत जीवन

हिनकर पिताक नाम अशोक आ माताक नाम कोनेरू लता छी । हम्पी शब्दक अर्थ विजयी होएत अछि एहि कारण कोनेरूक पिताद्वारा हिनकर नाम हम्पी राखल गेल छल । हिनकर पिता अशोक कोनेरू आन्ध्र प्रदेश राज्य चेसमे प्रतिनिधित्व करि चुकल अछि । ओ अपन सपना हम्पीसँ पूर्ण करवावक लेल चाहैत छल । मात्र ६ वर्षक आयुसँ हम्पी खेलमे रूचि लेनाए शुरू करि देनए छल । प्रशिक्षकक रुपमे हुनकर पिता हम्पीक चेसक दावपेँच सिखाबैत छल । मात्र ९ वर्षक आयुमे हम्पी द्वारा चेसमे ३ टा राष्ट्रिय स्तरक गोल्ड मेडल अपन नाम करि लेनए छल । एहि प्रतिभावान महिला खिलाड़ी आगा जाकऽ देशक पहिल महिला ग्रेडस्लेम विजेता सेहो बनल ।[४][५]


करियर

पुरस्कार आ उपलब्धिसभ

राष्ट्रपति, डा. ए.पी.जे. अब्दुल कलाम द्वारा २३ मार्च, २००७ कऽ नयाँ दिल्ली अवस्थित राष्ट्रपति भवनमे एक विशेष समारोहमे कोनेरू हम्पीकें चेस खेलक लेल पद्मश्री पुरस्कार प्रदान करैत ।

एहो सभ देखी

बाह्य जडीसभ

  • Humpy Koneru chess games at 365Chess.com
  • Koneru Humpy chess games (1997–2000) at 365Chess.com
  • Interview with GM Koneru Humpy by LastChess.com
  • "Interview with Super-Grandmaster Koneru Humpy"ChessBase News। 12 December 2007।

सन्दर्भ सामग्रीसभ