अहमदाबाद

अहमदाबाद वा अमदाभाद (/ˈ[invalid input: 'ah']m[invalid input: 'i-']dəb[invalid input: 'ah']d/; गुजराती उच्चारण: [ˈəmdɑːvɑːd]) भारतक गुजरात प्रदेशक सबसँ पैग शहर आ पुरान राजधानी छी । ई अहमदाबाद जिलाक मुख्यालय आ गुजरात उच्च न्यायालयक सदन छी । समस्त भारतक पैग नगरसभमे छठम आ सातम सभसँ पैग महानगरीय क्षेत्र छी । ६३ लाखको जनसङ्ख्या भेल ई शहर, साबरमती नदीक किनारमे अवस्थित अछि । पहिने गुजरातक राजधानी याह रहल छल बादमे राजधानी गान्धीनगरमे स्थानान्तरण कएल गेल । अहमदाबादके कर्णावती क नामसँ सेहो जानल जाइत अछि । ई शहरक आधारशिला सन् १४११ मे बैसाएल गेल छल । ई शहरक नाम सुलतान अहमद शाहक नाममे राखल गेल अछि ।

अहमदाबाद
અમદાવાદ
Ahmedabad
अमदाभाद
महानगरीय क्षेत्र
अहमदाबादक प्रसिद्द स्थलसभ
अहमदाबादक प्रसिद्द स्थलसभ
देश भारत
राज्यगुजरात
जिलाअहमदाबाद
संस्थापकसुल्तान अहमद साह प्रथम
नामकरणअहमदसाह
सरकार
 • प्रकारमेयर परिषद
 • अङ्गअहमदाबाद नगरपालिका सङ्गठन
 • मेयरमिनाक्षी पटेल (बिजेपी)
 • कार्यकारी मेयरबिपिन सिक्का
 • नगर प्रमुखडि. थारा
क्षेत्रफल
 • महानगरीय क्षेत्र४६४.१६ किमी (१७९.२१ वर्गमाइल)
उन्नतांश५३ मिटर (१७४ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)[३]
 • महानगरीय क्षेत्र५५,७०,५८५
 • क्रम५अम
 • घनत्व१२०००/वर्ग किमी (३१०००/वर्ग माइल)
 • महानगर६३,५२,२५४
वासिन्दाअहमदाबादी/अमदाभादी
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
पोस्टल कोड
३८० 0XX
क्षेत्रीय सङ्केत०७९
सवारी दर्ताGJ-1,GJ-18,GJ-27,GJ-28
लैङ्गिक अनुपात१.११[५] ♂/♀
साक्षरता दर८९.६२
भाषासभगुजराती, हिन्दीअङ्ग्रेजी
स्रोत: भारतक जनगणना[६]

इतिहास

अहमदाबादक नाम सुल्तान अहमद शाहक नाममे राखल गेल अछि । सुल्तान अहमद शाहद्वारा ई शहरक स्थापना सन् १४११ मे केनए छल । ई शहरके भारतक म्यानचेस्टर सेहो कहल जाइत अछि । वर्तमान समयमे, अहमदाबाके भारतक गुजरात प्रान्तक आर्थिक राजधानी होमएक संगे एकटा प्रमुख उद्योगिक शहरक रूपमे चिनहल जाइत अछि ।

ऐतिहासिक रूपमे, भारतीय स्वतन्त्रता सङ्घर्षक समयमे अहमदाबाद प्रमुख आधार शिविर रहल छल । याह शहरमे महात्मा गान्धी साबरमती आश्रमक स्थापना केनए छल आ भारतीय स्‍वतन्त्रता सङ्घर्षमे जुड़ल बहुतेक आन्‍दोलनक शुरुवात सेहो याह ठामसँ भेल छल । अहमदाबाद बुनाईक लेल सेहो बहुतेक प्रसिद्ध अछि । एकर साथ ई शहर व्यापार आ वाणिज्य केन्द्रक रूपमे विकसित भ रहल अछि । अङ्ग्रेजी शासनक अवधिमे, ई ठामके फौजी मुख्यालयक रूपमे प्रयोग कएल जाइत छल ।

भूगोल

पश्चिम भारतमे अवस्थित ई शहर, समुद्र सतहसँ १७४ फिटक उचाईमे अवस्थित अछि । शहरमे दुईटा ताल अछि- कङ्करिया आ वस्त्रापुर ताल । साबरमती नदी गर्मीक मौसममे सुखैक कारण, नदीक ठाममे साफ माटि रहैत अछि । वर्षाक महिना वाहेक पुरे साल गर्मीक माहौल रहैत अछि । गर्मी मौसममे सबसँ उच्च तापमान ४७ डिग्री आ जाड़क समयमे कममे ५ डिग्री तापमान पहुँचैत अछि ।

प्रशासन

अहमदाबाद नगरपालिका निगम ई शहरके देख रेखक काम करैत अछि आ किछ भाग औडाद्वारा प्रशासित अछि ।

यातायात

हवाई मार्ग-

एतय सरदार वल्लभभाई पटेल विमानस्थल अछि । ई प्रमुख भारतीय शहरसभक साथ साथे विदेशसभक शहरसभके जोडैत अछि जेना कोलम्बो, मसकट, लण्डनन्यू योर्क शहर

रेल मार्ग-

अहमदाबाद स्टेशन देशके लगभग सब प्रमुख स्‍टेशसभसँ सीधा जुडल अछि ।

सडक मार्ग-

अहमदाबादक दूरी मुम्‍बईसँ लगभग ५४५ किलोमिटर तथा राष्ट्रिय राजधानी दिल्‍लीसँ ८७३ किलोमिटर अछि । एतय मुम्‍बईसँ बसद्वारा सेहो जाएल जा सकैत अछि ।

पर्यटन स्थल

अहमदाबादमे भ्रमण कर लायक बहुतेक स्थलसभ अछि । एहिमे किछ आधुनिक अछि आ किछ पौराणिक सेहो अछि ।

  • गान्धी आश्रम, साबरमती
  • सिद्दी सैयद जाली, खानपुर
  • सरखेज रोजा, सरखेज
  • काङ्करिया ताल
  • वस्त्रापुर ताल
  • गुजरात साइन्स सीटी
  • अक्षरधाम मन्दिर, गान्धीनगर
  • आई मेक्स थिएटर (चलचित्र घर)
  • ल गार्डन
  • वैष्णोदेवी मन्दिर
  • श्रीभागवत विद्यापीठ (सोला)
  • अडालज वाव

काङ्करिया ताल

ई तालक निर्माण कुतुब-उद्-दीनद्वारा सन् १४५१ मे कराएल गेल छल । वर्तमान समयमे अहमदाबादक निवासीसभक बीच ई ठाम सबसँ बेसी प्रसिद्ध अछि । ई तालक चारोदिस बगैचा लगाएल गेल अछि । तालक मध्य भागमे बहुतेक सुन्दर सुन्दर द्वीप महल अछि । जतय मुगल कालक समय नूरजहां आ जहांगीर प्रायजसो घुमफिर करै लेल आबैत छल ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य लिङ्कसभ

एहो सभ देखी