दोहा

कतारक राजधानी एवं सबसँ पैग शहर

दोहा (अरबी: الدوحة‎, ad-Dawḥa वा अद-द्वोहा, उच्चारण [addawħa][२] कतारक राजधानी आ सभसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल शहर छी । दोहाक जनसङ्ख्या १३,५१,००० अछि जबकी शहरक जनसङ्ख्या लगभग १.५ मिलियन अछि ।[१] ई शहर कतारक पूर्वमे फारसक खाड़ीक तट पर अवस्थित अछि । ई कतारक सभसँ तीव्र गतिसँ उजिया रहल शहर छी, दोहा आ एकर अगलबगलक उपनगरसभमे कतारक ५०% सँ बेसी लोक बसोबास करैत अछि आ ई देशक आर्थिक केन्द्र सेहो छी ।

दोहा
Doha
दोहाक गगनचुम्बी इमारत
दोहाक गगनचुम्बी इमारत
दोहा Doha कतारपर अवस्थित
दोहा Doha
दोहा
Doha
कतारमे दोहाक स्थान
निर्देशाङ्क: २५°१७′१२″उ॰ ५१°३२′०″पू॰ / २५.२८६६७°N ५१.५३३३३°E / 25.28667; 51.53333 ५१°३२′०″पू॰ / २५.२८६६७°N ५१.५३३३३°E / 25.28667; 51.53333
राष्ट्र कतार
नगरपालिकाअद-दव्हाह
स्थापनासन् १८२५
क्षेत्रफल
 • नगरपालिका१३२ किमी (५१ वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या
 (२०१६)[१]
 • नगरपालिका१३,५१,०००
 • घनत्व१००००/वर्ग किमी (२७०००/वर्ग माइल)
 • महानगर
N/A
समय क्षेत्रयुटिसी+३ (एसियाली मानक समय)

दोहाक स्थापना सन् १८२० कऽ दशकमे अल बिद्दाक एक शाखाक रूपमे कएल गेल छल । ब्रिटिश संरक्षकसँ स्वतन्त्रता प्राप्त केलाक बाद सन् १९७१ मे एकरा आधिकारिक रूपसँ देशक राजधानी घोषित कएल गेल छल ।[३]कतारक वाणिज्यिक राजधानी आ मध्य पूर्वक एक महत्वपूर्ण वित्तीय केन्द्रक रूपमे रहल दोहाकें विश्वव्यापीकरण आ विश्व शहर अनुसन्धान सञ्जालद्वारा विश्व शहरक रूपमे मानने अछि । दोहा शिक्षा शहरक रूपमे देखल जाइत अछि कियाकी एकर एक क्षेत्र अनुसन्धान आ शिक्षा कऽ लेल समर्पित अछि ।

विश्व व्यापार सङ्गठनक पहिल मन्त्री-स्तरीय बैठकक ई शहर मेजबानी केनए छल । एहि वाहेक दोहा विभिन्न खेलकुद आयोजनक मेजबानी केनए अछि जहिमे सन् २००६ कें एसियाली खेलकुद, २०११ प्यान अरब खेलकुद आ २०११ एएफसी एसियाली खेलकुद रहल अछि ।[४][५]

नामोत्पति

इतिहास

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी