फिफा विश्वकप

फिफा विश्वकप फुटबल प्रतियोगिता प्रारम्भक कथा अन्तर्राष्ट्रिय फुटबल महासङ्घ फिफासँ जुड़ल अछि तहिने फिफाक कथा विभिन्न देशमे स्थापना भेल राष्ट्रिय फुटबल सङ्घसभक विकाससँ जुड़ल अछि । सन् १८६६ मे विश्वक पहिल राष्ट्रिय फुटबल सङ्घक रूपमे इङ्गल्यान्ड फुटबल एसोसिएसन (एफए) गठन भऽ गेल छल । किछ वर्षबाद अन्य देशसभमे सेहो धमाधम राष्ट्रिय फुटबल सङ्घसभक स्थापना होमए लागल । अहिना फुटबल खेल आ ओकर राष्ट्रिय सङ्घसभक विस्तार भऽ गेलाक बाद एकटा अन्तर्राष्ट्रिय फुटबल सङ्घक आवश्यकता सर्वत्र महसुस होमए लागल । अहि जरुरतक निकास खोजवाक क्रममे फ्रान्स, बेल्जियम, नेदरल्यान्ड्स, डेनमार्क, स्पेन, स्वीडेन आ स्विजरल्यान्ड समेत सात देशक प्रतिनिधि फ्रान्सक राजधानी पेरिसमे जम्मा भेल  । अहि सभाद्वारा २९ मई १९०४ मे फुटबलक सर्वोच्च संस्था अन्तर्राष्ट्रिय फुटबल महासङ्घ -फेडरेसन इन्टरनेशनल डे फुटबल एसोसिएसन, फिफाक औपचारकि गठन केलक । इङ्गल्यान्ड दुई वर्षबाद फिफा सदस्य बनल  । एकरबाद आर बहुतेक देशसभ सेहो एकर सदस्य होमएक क्रम चलल, जे अखनो जारी अछि । अखन दुई सय सँ बेसी देश फिफा सदस्य अछि । नेपाल सन् १९७० मे फिफाक पूर्ण सदस्य बनल छल ।

फिफा विश्वकप
फाइल:Fifa Worldcup Trophy.jpg
सन् १९७४ बाद फुटबल विश्वकप विजेताके देल जाइवाला विश्वकप ट्रफी
स्थापना१९३०; ९४ वर्ष पहिने (१९३०)
समुह सङ्ख्या३२ (फाइनल)
२०४ (२०१० कऽ चुनावसँ)
सब सँ सफल टिम ब्राजिल (५ उपाधि)
वेबसाइटआधिकारिक वेबसाइट
२०१४ फिफा विश्वकप
फिफा विश्वकप 1978

विश्वकप फुटबल प्रतियोगिताक आरम्भक श्रेय आधुनिक ओलम्पिक खेलकुद प्रतियोगिताक सफल सुरूवातके जाइत अछि । सन् १९०० मे भेल दोसर ओलम्पिक खेलकुदमे फुटबल पहिल बेर समावेश कएल गेल छल । ओलम्पिक फुटबलक सफलतासँ उत्साहित भऽ फिफा पदाधिकारीसभ अन्तर्राष्ट्रिय फुटबल प्रतियोगिता ओलम्पिकक घेराभितर सीमित नै राखैक निष्कर्ष निकाललक । वार्ता आरम्भ भेलाक बाद अन्ततः २६ मई १९२८ मे बैसल फिफा एम्स्टर्डम कङ्ग्रेसद्वारा युगान्तकारी निर्णय कएल गेल, जाहिमे हरेक चारि-चारि वर्षक अन्तरालमे फिफा सदस्य देशसभ बीच विश्वकप प्रतियोगिता आयोजना आरम्भ केनाए आ पहिल विश्वकप सन् १९३० मे करेबाक निचोड़ निकालल गेल । ताहि स्वरूप ओकर एक वर्षक बाद, सन् १९२९ कऽ बार्सिलोना फिफा कङ्ग्रेस ई ऐतिहासिक जिम्मेवारी पूरा करवाक दायित्व उरूग्वेके प्रदान केलक । फलस्वरूप, राजधानी मोन्टेभिडियोमे एक लाख दर्शक क्षमताक नवनिर्मित रङ्गशाला स्टेडियम डेल सेन्टेनारियोमे १३ जुलाई १९३० मे फ्रान्स आ मेक्सिकोबीच पहिल विश्व कपक पहिल म्याच विधिवत् उद्घाटन खेलक रूपमे सम्पन्न भेल छल ।

पहिल विश्वकप आयोजना होमएत काल फिफा सदस्य देश सङ्ख्या कूल ४१ छल । विश्वकप फुटबलसभ सँ बेसी देखल जाइवाला खेलकुद छी ।[१][२][३][४]

इतिहास

नतिजा

वर्षआयोजकविजेतास्कोरउप-विजेतातेसर स्थानस्कोरचारिम स्थानटिम सङ्ख्या
१९३०
विवरण
 उरुग्वे
उरुग्वे
४–२
अर्जेन्टिना

संयुक्त राज्य अमेरिका
[note १]
युगोसलाभिया
१३
१९३४
विवरण
 इटाली
इटाली
२-१ (अ.स.)
चेकोस्लोभाकिया

जर्मनी
३-२
अस्ट्रिया
१६
१९३८
विवरण
 फ्रान्स
इटाली
४-२
हंगेरी

ब्राजिल
४-२
स्विडेन
१६/१५

[note २]

१९५०
विवरण
 ब्राजिल
उरुग्वे
[note ३]
ब्राजिल

स्विडेन
[note ३]
स्पेन
१६/१३

[note ४]

१९५४
विवरण
 स्विजरल्यान्ड
पश्चिम जर्मनी
३-२
हंगेरी

अस्ट्रिया
३-१
उरुग्वे
१६
१९५८
विवरण
 स्वीडेन
ब्राजिल
५-२
स्विडेन

फ्रान्स
६-३
पश्चिम जर्मनी
१६
१९६२
विवरण
 चिली
ब्राजिल
३-१
चेकोस्लोभाकिया

चिली
१-०
युगोस्लाभिया
१६
१९६६
विवरण
 इङ्ल्यान्ड
इङ्ल्यान्ड
४-२ (अ.स.)
पश्चिम जर्मनी

पोर्चुगल
२-१
सोभियत सङ्घ
१६
१९७०
विवरण
 मेक्सिको
ब्राजिल
४-१
इटाली

पश्चिम जर्मनी
१-०
उरुग्वे
१६
१९७४
विवरण
 पश्चिम जर्मनी
पश्चिम जर्मनी
२-१
नेदरल्याण्ड

पोल्यान्ड
१-०
ब्राजिल
१६
१९७८
विवरण
 अर्जेन्टिना
अर्जेन्टिना
३-१ (अ.स.)
नेदरल्याण्ड

ब्राजिल
२-१
इटाली
१६
१९८२
विवरण
 स्पेन
इटाली
३-१
पश्चिम जर्मनी

पोल्यान्ड
३-२
फ्रान्स
२४
१९८६
विवरण
 मेक्सिको
अर्जेन्टिना
३-२
पश्चिम जर्मनी

फ्रान्स
४-२ (अ.स.)
बेल्जियम
२४
१९९०
विवरण
 इटाली
पश्चिम जर्मनी
१-०
अर्जेन्टिना

इटाली
२-१
इङ्ल्यान्ड
२४
१९९४
विवरण
 संयुक्त राज्य अमेरिका
ब्राजिल
०-० (अ.स.)
(३-२पे)

इटाली

स्विडेन
४-०
बुल्गेरिया
२४
१९९८
विवरण
 फ्रान्स
फ्रान्स
३-०
ब्राजिल

क्रोएशिया
२-१
नेदरल्याण्ड
३२
२००२
विवरण
 दक्षिण कोरिया
 जापान

ब्राजिल
२-०
जर्मनी

टर्की
३-२
दक्षिण कोरिया
३२
२००६
विवरण
 जर्मनी
इटाली
१-१ (अ.स.)
(५-३पे)

फ्रान्स

जर्मनी
३-१
पोर्चुगल
३२
२०१०
विवरण
 दक्षिण अफ्रिका
स्पेन
१-० (अ.स.)
नेदरल्याण्ड

जर्मनी
३-२
उरुग्वे
३२
२०१४
विवरण
 ब्राजिल
जर्मनी
१-० (अ.स.)
अर्जेन्टिना

नेदरल्याण्ड
३-०
ब्राजिल
३२
२०१८
विवरण
 रसियाभविष्य प्रतियोगिताभविष्य प्रतियोगिता32
  • अ.स.: अतिरिक्त समय बाद
  • पे: पेनाल्टी शुटआउट बाद

सन्दर्भ सामग्रीसभ

टिप्पणी

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी